बड़ाबाजार मे मिथिला पेंटिंग सं सजल पंडाल


कलकत्ताक दुर्गापूजा मे विभिन्न कलाक नमूना एकसंग देखबा लेल भेटैत अछि. थीम पूजा केर ज़माना मे भांति-भांति केर कलाकारीयुक्त पंडाल देखबा लेल देश-विदेश सं लोक कलकत्ता अबै छथि. राति भरि पंडाल सभ मे दर्शनार्थी लोकनिक अपार भीड़ जुटैत रहैत अछि. कलाक पहिचान आ ओकरा मान सम्मान देबय लेल बंगालक लोक बेस पहिचानल जाइत छथि.


एहिबेर बड़ाबाजार केर तुलापट्टी सार्वजनिक दुर्गोत्सव अपन मन्दिरनुमा पंडाल मिथिला पेंटिंग सं सजओलक. कॉटन स्ट्रीट स्थित पूजा समितिक सचिव रवीन्द्र  सिंह जनओलनि जे शिल्पी दीपांकर रॉय ई पंडाल केर थीम बनओलनि. मधुबनीक कलाकार लोकनि एकरा मिथिला पेंटिंग सं सजओलनि. ई पेंटिंग लोकक धियान आकर्षित कएलक अछि. 


रवीन्द्र सिंह जनओलनि जे एहि बेर 58म दुर्गोत्सवक आयोजन कएल गेल अछि. आगंतुक लोकनिक धियान मिथिला पेंटिंग आकर्षित कएलक. 
Previous Post Next Post