साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' केर आयोजन

कलकत्ता: लगभग बीस बरख सं मासक दोसर रवि के लगातार आयोजित होइत आबि साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' केर एहि मासक बैसार नवीन प्रकाशन कार्यालय मे संपन्न भेल. बैसारक अध्यक्षता किशोरीकांत मिश्र कयलनि। रूपेश त्योंथ ओ आमोद कुमार झा अपन टटका रचना पढ़लनि, जाहि पर रामलोचन ठाकुर, नवीन चौधरी सहित गंगा झा, नबोनारायण मिश्र, दयाशंकर मिश्र अपन मंतव्य देलनि. जयकांत बाबू पर प्रकाशित होमयवला ग्रन्थक सम्पादन-संकलन मे नवीन चौधरी, रामलोचन ठाकुर ओ किशोरीकांत मिश्र व्यस्त देखल गेलाह. एहि क्रम मे उठैत प्रसंग सभ नवतुरिया सभ लेल ज्ञानवर्धक भेल. एकर संगहि अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर मधुबनी लोकसभा क्षेत्रक उमेदवार रत्नेश्वर झा सेहो बैसार मे उपस्थित भेलाह. ओ अपन बात उपस्थित साहित्यकार लोकनि लग रखलनि. अगिला 'संपर्क' मइ केर दोसर रवि कें होयत. 
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post