करब ने नराज बाबूजी...

पटना/ कलकत्ता/नव दिल्ली. मिथिलाक लोक आ संगीतप्रेमी कें निःभरोस कयनिहार खबरि सं सकल समाज शोक मे अछि. मैथिलीक सुपरिचित गायिका अंशुमाला नहि रहलीह. खबरिक अनुसार ओ आइ भोरे पटना निवास पर अंतिम सांस लेलनि. ओ बहुत समय सं बेमार छलीह. अंशुमाला झा बहुचर्चित बहुमुखी प्रतिभाशाली गायिका छलीह. मूलत: मधुबनी जिला अन्तर्गक कलुआहीक ढंगा पश्चिम ग्रामक रहनिहार अंशुमाला पटना सं ग्रेजुएशन केलाक बाद दिल्ली विश्वविद्यालयक मिरान्डा हाउस कॉलेज सं एमए, एमफ़िलक बाद हिन्दुस्तानी क्लासिकल आ विद्यापति संगीत में पीएचडी क' रहल छलीह. 
एही साल जनवरी मे अंशुमाला सं लेल गेल साक्षात्कार पढि मोन कें फुसलाबी...संताप एतेक सहजता सं नहि जायत तथापि....

अंतमे अपन प्रसंशक सभसँ किछु कहय चाहब?
हम अप्पन प्रसंशक सभक आभारी छी. अहाँ सबहक स्नेह, आशीर्वाद आ सहयोग अतुलनीय अछि. हम हरदम ई प्रयास राखब जे हमर कोनो कदम सं, कोनो वचन सं हमर मिथिला आहत नहि होअय. जल्दिए हम अहाँ सभक समक्ष किछु नव मधुर मैथिली गीत ल' प्रस्तुत होयब. अहां सबहक स्नेह आ आशीर्वादक अभिलाषी.
अहांक मिथिलाक बेटी छी, हम अहांक लाज छी।
बनब अहांक लाज बाबूजी, करब ने नराज बाबूजी।। 

Read full Interview @  

रुचिगर हो लोकसंगीतक स्वरूप : अंशु माला 

Previous Post Next Post