टूर्नामेंटक संग मिथिला महोत्सवक समापन

कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद् द्वारा 9 दिवसीय मिथिला महोत्सव केर अंतिम दिन 'उमा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट' आयोजित कयल गेल. 4 टीमक बीच आयोजित एहि खेल प्रतियोगिता केर आयोजन रविदिन 31 मार्च कें तारासुन्दरी पार्क मे कयल गेल. बिनय प्रतिहस्त ओ गोपीकांत झा 'मुन्ना' द्वारा गोसाओनिक गीत सं कार्यक्रम शुरू भेल. कलकत्ता ट्रामवेज कंपनी चेयरमैन शांतिलाल जैन, मदन झा, विजय गुजरवासिया, कृष्णचन्द्र झा 'रसिक',  कामदेव झा, अंजय चौधरी, पवन ठाकुर, अरुण झा आदि लोकनि पार्क स्थित यात्री-नागार्जुन प्रतिमा पर माल्यार्पण कयलनि. विजय गुजरवासिया आ टूर्नामेंट केर एम्पायर भास्कर झा द्वारा सिक्का उछालि क' टूर्नामेंट शुरू कयल गेल.
विजयी ओ उपविजेता टीम कें विधायक डॉ शशि पांजा द्वारा 'उमा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट शिल्ड' प्रदान कयल गेल. टूर्नामेंट मे  प्रदर्शन कयनिहार क्रिकेटर कें सेहो पुरस्कृत कयल गेल. संगहि समस्त प्रतिभागी कें सेहो नगद सांत्वना पुरस्कार देल गेल. एहि अवसर पर परिषद् दिस सं विधायक डॉ शशि पांजाक अभिनन्दन कयल गेलनि.
टूर्नामेंट केर आयोजन पर मिथिला विकास परिषद् केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा कहलनि जे आयोजन पूर्ण रूपें युवा कें समर्पित छल. हम सभ आब 'मैथिली क्विज कंटेस्ट' ओ अरिपन प्रतियोगिता सेहो आयोजित करब. ज्ञात हो जे अशोक झा द्वारा माय स्व उमादेवी झा केर स्मृति मे क्रिकेट टूर्नामेंट केर आयोजन कयल गेल छल. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post