वार्षिकोत्सवक पर मेधावी छात्र होयत पुरस्कृत

कलकत्ता. रिषड़ा स्थित मिथिला नव चेतना समितिक चारिम वार्षिकोत्सवक अवसर पर 17 मार्च 2013 (रविदिन) 4 बजे रिषड़ा स्थित रबीन्द्र भवन मे प्रतिभा संवर्धन कार्यक्रम आयोजित कयल गेल अछि जाहिमे मेधाबी छात्र -छात्राकें हुनक उत्कृष्ट शैक्षणिक उपलब्धि पर पुरस्कृत आ प्रोत्साहित कयल जायत. एहि सम्मान समारोहमे वयोवृद्ध मैथिल समाजसेवी किशोरीकान्त मिश्र आ वरिष्ठ साहित्यकार रामलोचन ठाकुरक उपस्थिती मे सम्मान समारोह सम्पन्न होयत. मैथिल उद्योगपति व शुभचिन्तक शारदानन्द झा कार्यक्रमक उद्घाटन एवं मिथिला नवचेतनाक वरिष्ठ सदस्य जयकुमार मिश्र अध्यक्षता करताह. भोगेन्द्र झा प्रधान वक्ताक रुपमे, युगल किशोर झा विशिष्ट अतिथिक रुपमे तथा युवा समाजसेवी एवं उद्योगपति जीबेन्द्र मिश्र प्रधान अतिथिक रुपमे उपस्थित रहताह. रंजीत कुमार झा एहि कार्यक्रमक संचालन करताह.
सम्मान समारोहक उपरान्त मिथिलाक पारम्परिक गीत आ विधि-व्यवहार पर आधारित सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित होयत जाहिमे गीत-नादक संग भाव-नृत्यक प्रस्तुति होयत. (Report : भास्कर झा)
Previous Post Next Post