
एहीक्रममे एक गोटे दबाइक बड़का पोलिथिन लेने एलै आ दोकनदारकेँ
कहलकै-हमरा ई दबाइ सभ नहि लागत से आपस कऽ लिअ'. ओकर बाजबसँ बुझाइत छलैक जेना ओ बड़ धड़फरायल छल. दोकनदार ओकर दबाइ फिरा, कम्पूटरसँ बिल मिलाकेँ,
जे पाइ भेलै से आपस कऽ देलकै आ ओ चल गेल.
कनिये कालमे एक गोटे आओर एलै। ......हमरा पेसेन्टक बेडपर सँ कियो
दबाइक पोलिथिन चोरा लेलक, जाहिमे दबाइक संग-संग अहाँ दोकानसँ लऽ गेलहा
कैशमेमो सेहो छैक, से यदि कियो ओहि दबाइकेँ आपस करय आबय तऽ हमरा फोन कऽ देब. दोकनदार कहलकै - ई दबाइ सभ आपस कऽ, पाइ लऽकऽ एकगोटे थोड़ेकाल पहिने चल गेल,
आब हम किछु नहि कऽ सकैत छी.
ई सभटा घटनाक्रम देखि उपस्थित ग्राहक सभ सोचमे पड़ि गेल जे केहन समए
आबि गेलैए जे लोक आब दबाइयो चोरबऽ लागल अछि. सभ अवाक आ स्तब्ध छल तखन.
— अनमोल झा
— अनमोल झा