विद्यापति सेतु : शोभायात्रा कयल गेल स्थगित

कलकत्ता. विद्यापति स्मारक मंच, कोलकाता द्वारा रविदिन 2 दिसंबर 2012 कें विद्यापतिक स्मृतिमे आयोजित होमय बला विराट शोभा यात्राक कार्यक्रम अंतिम सूचना प्राप्त हॊबय धरि स्थगित कए देल गेल अछि. एहि स्थगनक कारण बतबैत मंचक समन्वयक विवेकानन्द झा कहलनि अछि जे महानगर मे माननीय राष्ट्रपतिक आगमन आ हुनक व्यस्त कार्यक्रम मे कोलकाता पुलिसक सक्रिय उपस्थिति रहबाक कारणे मंचक कार्यक्रम स्थगित कयल गेल अछि.
ज्ञात हो जे राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी शुक्रदिन कोलकाता आयल छथि. हुनका कोनो प्रकारक दिक्कत नहि हो से धियान मे रखैत कार्यक्रम स्थगित कयल गेल अछि. शोभायात्रा मे विराट संख्या मे मैथिल जुटैत छथि आ समूचा मध्य कोलकातक यातायात व्यवस्था प्रभावित रहैत अछि. एकरा देखैत कार्यक्रम स्थगन पर विचार कयल गेल अछि. (Report : भास्कर झा)
Previous Post Next Post