मैथिली बिहारक आत्मा अछि : डॉ. प्रेम कुमार

कलकत्ता.  दुर्गापूजाक अवसर पर बिहार सरकारक शहरी विकास मंत्री डॉ प्रेम कुमार कोलकाता मे छथि. हुनका मिथिला विकास परिषद शनिदिन, २० अक्टूबर २०१२ कें अभिनंदन कयलक. परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा मिथिला केर पारंपरिक पाग पहिरा व मिथिला पेंटिंग सं सज्जित दोपटा ओढा क' हुनक स्वागत कयलनि. एहि अवसर पर डॉ. प्रेम कुमार कहलनि  मैथिली भारत केर प्राचीनतम भाषा अछि आ बिहार केर आत्मा अछि. सम्मान समारोह मे अमोद झा, गौरी शंकर मिश्र, पवन ठाकुर, मोहम्मद मुंशी, राजन, निरंजन ठाकुर, मोहम्मद कमलुद्दीन, मनटुन कंदोई, श्याम लाल दुबे, विमल झा, शेखर वर्मा, कलाधर झा आदि उपस्थित छलाह. अंजय चौधरी कार्यक्रम केर संचालन कयलनि. 
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post