कलकत्ता. प्रख्यात रचनाकार आ साहित्य अकादमीक अध्यक्ष सुनील गंगोपाध्यायक निधनक बाद अकादमीक अगिला संभावित अध्यक्षक नाम पर घोंघाउजक संग रविदिन २८ अक्टूबर २०१२ कें एतय भेल बैसार में भारी भरकम जनरल काउंसिल लेल 87 लोकक निर्वाचन सम्पन्न भेल. साहित्य अकादमीक कार्यवाहक अध्यक्ष विश्वनाथ तिवारी केर अध्यक्षता मे भेल बैसार मे विभिन्न प्रांत आ भाषा प्रतिनिधि लोकनि बेस चर्चा कयलनि आ नव जनरल काउंसिलक गठन पर सहमति जतओलनि.
दक्षिण कोलकाताक एक होटल मे भेल बैसार मे विभिन्न भाषा केर संगहि मैथिली प्रतिनिधिक मनोनयन सेहो भेल. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर स्नातकोत्तर मैथिली विभागाध्यक्ष डा॰ वीणा ठाकुर साहित्य अकादमी केर मैथिली प्रतिनिधिक रूप मे मनोनीत भेलीह अछि. अकादमी केर जेनरल काउंसिलक बैसार मे डा॰ ठाकुरक नाओ पर सहमति बनल. वर्तमान मैथिली प्रतिनिधि डा॰ विद्यानाथ झा 'विदित' केर कार्यकाल जनवरी 2013 मे समाप्त होयत, तकर बाद डा॰ ठाकुर केर कार्यकाल शुरु होएत.
ज्ञात हो जे डा॰ वीणा ठाकुर सहरसा मे विद्यालीय शिक्षा पूरा केलाक बाद दरभंगाक लनामिवि सं बीए आ एमए क' 1977 सं प्राध्यापिकाक पद पर कार्यरित छथि. 1985 मे डाक्टरेट केर उपाधि पाबय वाली डा॰ ठाकुर वर्ष 2008 सं साहित्य अकादमी केर मैथिली परामर्शदात्री समितिक सदस्या छथि.
डा॰ वीणा ठाकुर केर मनोनयन सं मैथिली साहित्य जगत मे हर्षक माहौल अछि. एहि पद केर रेस मे उदय नारायण सिंह 'नचिकेता', अजित आजाद आदि सेहो छलाह. मैथिलीक विभिन्न संस्था सभ द्वारा अन्य नाम सुझाओल गेल छल. कलकत्ता केर साहित्य प्रेमी लोकनि नचिकेता केर मनोनयन ल' आश्वस्त छलाह त' अजित आजाद केर नाओ सं युवा रचनाकार लोकनि कें नव आस छल, मुदा जखन डा॰ वीणा ठाकुर केर मनोनयन केर समाद पसरल त' लोक मे संतोष अछि.
मिथिला सांस्कृतिक परिषद् केर मंत्री ओ युवा रचनाकार मिथिलेश कुमार झा महिला प्रतिनिधि भेला पर हर्ष व्यक्त करैत कहलनि जे मैथिली केर उन्नयन मे नव गति आओत. महिला प्रतिनिधि सं हम सभ आशान्वित छी. दोसर दिस मिथिला विकास परिषद् केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा डा॰ वीणा ठाकुर केर मनोनयन पर कहलनि जे आशा अछि आब मैथिली मे युवा कें प्रोत्साहन भेटत. डा॰ वीणा ठाकुर सन निस्सन मैथिलानी सं मैथिली कें नव आस जागल अछि. एक अन्य युवा साहित्यकार अजित आजाद केर मनोनयन नहि भेने दुःख प्रकट करैत कहलनि जे मैथिली मे युवा भागीदारी केर बात कयनिहार बहुतो अछि मुदा आगां अयबाक अवसर देबयबला कम. संगहि नचिकेताक चयन नहि भेने कोलकाता केर बहुधा मैथिली प्रेमी केर मुंह सं खसैत छनि जे हुनक मनोनयन सं कोलकाता केर हेरायल-सेरायल साहित्यिक चुहचुही आपस आबि जाइत. डा॰ वीणा ठाकुर केर मनोनयन केर बाद बहुतो कहल-सुनल जायबला बात सभ पर विराम लागल अछि. महिला प्रतिनिधि सं किनको कोनो सिकाइत नहि छनि. सृजनात्मकता कें बढ़ावा देल जायब प्राथमिकता होयबाक चाही.

(Report : मिथिमीडिया ब्यूरो )
Tags:
हालचाल