मधुबनी. मैथिल समाज रहिका केर तत्वावधान मे समाहरणालय केर समक्ष बृहस्पतिदिन (6  सितम्बर, 2012) कें मिथिला  राज्यक स्थापना सहित 13 सूत्री मांग कें ल' धरना-सभा कयल गेल. सभा  कें संबोधित करैत मैथिल समाजक अध्यक्ष व पूर्व मंत्री राजकुमार महासेठ  मिथिला केर उपेक्षाक आरोप लगबैत कहलनि जे क्षेत्रक विकास  मिथिला राज्यक स्थापने सं संभव अछि. है। ओ मिथिला हेतु संघर्ष जारी रखबाक  आह्वान कयलनि. सचिव प्रो. शीतलांबर झा कहलनि  जे बाढ़ि, रउदी ओ विद्युत  अनापूर्ति सं  मिथिला मे बेरोजगार बढल अछि. एहि ठाम केर लोहट, सकरी, रैयाम  चीनी मिल, पंडौल सूत मिल कें एखन धरि चालू नहि कयल जा सकल अछि. अखिल  भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अध्यक्ष डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजू  प्राथमिक, माध्यमिक स्तर पर मैथिली केर पढ़ाइ अनिवार्य घोषित नहि कयल गेला  पर चिंता व्यक्त व्यक्त कयलनि. सभा कें सतीश चन्द्र मिश्र, मो. अहमर हसन  दुलारे, हरि झा  फौजी, वशिष्ठ नारायण झा, अभयानंद झा, ज्योति रमण झा, अतीक अंसारी,  महेन्द्र नारायण झा, डा. बुचरू पासवान, चन्द्रशेखर झा, सुभाष चन्द्र मिश्र  सहित अन्य वक्ता लोकनि संबोधित  कयलनि. सभा केर पश्चात् एक प्रतिनिधि मंडल द्वारा राज्यपालक नाम 13 सूत्री  मांग  पत्र जिला पदाधिकारी कें देल गेल.(Source)
 
