रंग जमओलक मैलोरंग

>'सुन्दर संयोग' केर सफल प्रस्तुति
नव दिल्ली. मैलोरंग 26  अगस्त 2012  (रविदिन) श्रीराम सेंटर मे अपन नव नाटक 'सुन्दर संयोग' प्रस्तुत कयलक. अपन आने प्रस्तुति जकां इहो बहुत बेसी प्रशंसा बटोरलक. नाटकक कलाकार लोकनिक प्रतिभा आ मेहनति रंग अनलक जखन दर्शक केर थपडी बेर-बेर कलाकारक प्रोत्साहन बढबैत रहल. दिल्लीक मैथिल दर्शक मैलोरंग केर प्रस्तुति 'सुन्दर संयोग' केर प्रशंसा करैत थकैत नहि छथि.  एहि विषय मे एक दर्शक कहलनि जे ई बहुत नीक संयोग छल जे मैलोरंग केर 'सुन्दर संयोग' देखबाक अवसर भेटल. मैलोरंग रेपर्टरीक अभिनेता आ अभिनेत्री लोकनिक श्रम, प्रतिभा आ निर्देशक प्रकाश झा केर निर्देशनक धार झलकल.
ज्ञात हो सुन्दर संयोग नाटकक रचना 1905 ई मे भेल. एकर लेखक छथि स्व. कविवर जीवन झा. वर्ष 1980 ई. मे सुन्दर संयोग नाटक चन्द्रनाथ मिश्र 'अमर' आ रामदेव झा दुनू गोटे मिल क' सम्पादित कयने छलाह. पुस्तकाकार रूप मे सम्पादित पुस्तक कविवर जीवन झा रचनावली नाम स'  मैथिली अकादमी, पटना स' प्रकाशित अछि. एहि पुस्तक मे कविवर जीवन झा रचित तीनू नाटक 1. सुन्दर संयोग, 2. सामवती पुनर्जन्म आ 3. नर्मदा - सागर संकलित अछि. अहि पुस्तक मे प्रकाशित सुन्दर संयोग नाटक केर पुनर्लेखन सुप्रसिद्ध मैथिली नाटककार महेन्द्र मलंगिया कयने छथि.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)

Previous Post Next Post