मैथिली सँ ओतप्रोत, एक नव समाद स्रोत

प्रगतिशील मैथिली समाद पोर्टल अछि मिथिमीडिया. एकर मुख्य उद्देश्य मिथिला ओ मैथिलीक विभिन्न हलचल ओ हालचाल प्रकाशित ओ प्रसारित करब अछि. संगहि ई मिथिला, मैथिली ओ मैथिलक संस्था, अभियान व कार्यक्रमक ऑनलाइन प्रचारक काज सेहो करैत अछि. पाठक केर अभिरूचि कें देखैत एहि ठाम साहित्य, सिनेमा व अन्यान्य विषय केर सामग्री उपलब्ध अछि.
मैथिली, मिथिला ओ मैथिल सं सम्बंधित पर्याप्त कार्यक्रम सालभरि देश-विदेश मे होइत अछि. एहि विषय मे जनतब सेहो मीडिया केर विभिन्न माध्यम सं सोझां अबैत रहैत अछि. मुदा कोनो एहन माध्यम नहि अछि जतय सभ कार्यक्रमक एकठाम समुचित जनतब हो. कार्यक्रमक खंडित ओ आंशिक जनतब अपर्याप्त सिद्ध होइछ. एहना मे एकठाम पाठकक पिपाषा ओ जिज्ञासुक जिज्ञासा कें शांत करबाक हेतु चुरुक भरि जल ओ जनतब थिक मिथिमीडिया.
मैथिली मे अछिनरे वेब पोर्टल अछि. समाद, संगीत, साहित्य आदि विषयक वेबसाइट केर कोनो कमी नहि अछि. वेब पर मैथिली केर उपस्थिति अन्य भारतीय भाषा सं कम नहि अछि. तथापि शुद्ध ओ सटीक मैथिली समाद पोर्टलक खगता बनले अछि. एहि खगता कें पूर्ण करबाक उद्देश्यक एक प्रयास थिक मिथिमीडिया.

सतत प्रगतिशील साकांक्ष समदिया
Previous Post Next Post