सड़रामे सरस्वती पूजन, नाट्यमंचन ओ स्मारिका प्रकाशन


मधुबनी: आदर्श सरस्वती पूजा समिति, सड़रा'क तत्वावधानमे 34म सरस्वती पूजा'क आयोजन समपन्न भेल. पूजा समितिक अध्यक्ष संजीव झा जनौलनि जे मधुबनी जिलान्तर्गत ऐतिहासिक सड़रा गाममे एहि चारि दिवसीय सार्वजनिक पूजनोत्सवक आयोजन 1982ई.सँ लगातार भ' रहल अछि. प्रत्येक बरख एहि अवसर पर ग्रामीण ओ आमंत्रित कलाकार तथा प्रतिभागी लोकनि द्वारा विभिन्न तरहक साहित्यिक-सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रदर्शन सेहो कएल जाइत अछि. एहि बेर ई पूजनोत्सव ओ वसन्तोत्सव 25सँ 28 जनवरी धरि मनाओल गेल. विदित हो जे सड़रा मिथिला'क किछु एहन गाममेसँ अछि जतय विद्याक अधिष्ठात्री देवी सरस्वतीक पूजनोत्सव एतेक पैघ स्तरपर सार्वजनिक रूपेँ मनाओल जाइत रहल अछि.

समितिक सक्रिय सदस्य रमेशचन्द्र झा जनबैत छथि जे सड़राक ई आयोजन गाममे शिक्षा ओ बन्धुत्वक प्रचार-प्रसारमे सहायक रहल अछि. एहि अवसरपर छात्र-छात्राक बीच संभाषण ओ संगीत प्रतियोगिताक आयोजन कएल जाइत अछि तथा नवतूरकेँ समिति द्वारा प्रोत्साहित कएल जाइत अछि.

"लौंगिया मेरचाई" आ "गोनूक गवाह"क भेल मंचन
एहि अवसरपर उत्सवक प्रथम दू राति आदर्श नाट्य कला परिषद केर ग्रामीण कलाकार द्वारा दू-गोट मैथिली नाटक क्रमशः लौंगिया मेरचाइ आ गोनूक गवाहक सफल मंचन भेल. लल्लन प्रसाद ठाकुर लिखित नाटक "लौंगिया मेरचाई''क निर्देशन देवचन्द्र ठाकुर तथा महेन्द्र मलंगिया लिखित गोनूक गवाहक मंचन सतीशचन्द्र झा'क निर्देशनमे भेल. एहिमे देवचन्द्र ठाकुर, सतीशचन्द्र झा, रमेश झा, रमेशचन्द्र झा, आशुतोष झा मनटुन, संतोष कुमार, संतोषी कुमार, नितिन कुमार, सोनू मंडल, रामकुमार, तरुण कुमार, प्रसून ठाकुर, आदि भाग लेलनि. युवा कलाकार रामकुमार ठाकुर'क प्रस्तुति बेस प्रभावशाली रहल. मंचसंचालन संतोषी कुमार कएलनि. नाट्य निर्देशक देवचन्द्र ठाकुर कहैत छथि जे एहि पूजनोत्सवक अवसर पर नाटक मंचनक प्रमुख उद्देश्य गाममे सांस्कृतिक चेतनाकेँ जोगायब आ सड़रा'क रंगमंचक विरासतकेेँ बचायब अछि. मंचनक हेतु नाटकक चुनाव करैत काल सेहो एहि बातक ध्यान राखल जाइत अछि.

तेसर राति भेल रंगारग कार्यक्रम
उत्सवक तेसर राति अमता घरानाक प्रसिद्ध कलाकार साहित्य मल्लिक ओ हुनकर टीम द्वारा मैथिली गीत-नादक रंगारंग कार्यक्रम प्रस्तुत कएल गेल. मैथिली मंचक प्रसिद्ध उद्घोषक आ ख्यातिलब्ध कलाकार रामसेवक ठाकुरक प्रस्तुतिसँ दर्शक-श्रोता रातिभरि लोट-पोट होइत रहलाह. दुखीराम रसिया'क प्रस्तुति बेस सराहल गेल. प्रतिष्ठित तबला वादक कौशिक मल्लिक' केर कलाकारीसँ गामक नवतूर अत्यंत प्रभावित भेलाह. एहि अवसरपर आमंत्रित कलाकार सभकेँ ग्रामीण द्वारा पाग-दोपटा पहिराय स्वागत ओ सम्मानित कएल गेलनि. 

भेल स्मारिकाक विमोचन
एहि अवसरपर प्रतिष्ठित पत्रकार ओ साहित्य अकादमीसँ पुरस्कृत मैथिली साहित्यकार ताराकान्त झा'क संपादनमे समिति द्वारा स्मारिका'क प्रकाशन सेहो कएल गेल जकर विमोचन श्रेष्ठ ग्रामीण लोकनि द्वारा भेल. सह-संपादक चन्दनकुमार झा जनौलनि जे, एहि स्मारिकामे साहित्य-कला-संस्कृतिसँ संबंधित रचनादि'क प्रकाशन होइत अछि जे सड़रा ग्रामीण द्वारा लिखित होइत अछि. केन्द्रिय मंत्री द्वय श्रीमति हरसिमरत कौर आ श्री प्रकास जावडेकर'क शुभकामना संदेश एहिबेरक स्मारिका'क मुख्य आकर्षण अछि. ग्रामीणक बीच रचनात्मक लेखनकेँ प्रोत्साहित करब एहि स्मारिका'क प्रमुख उद्देश्य अछि.

आयोजनक सफल संपादन हेतु रमानन्द शास्त्री, मनोज कुमार झा, प्रवीण ठाकुर, अमित झा, आशुतोष झा बबली, आदि समितिक सदस्य लोकनि विशेष सक्रिय देखल गेलाह. लगातार तीन दशकसँ अधिक अवधिसँ युवातूरकेँ एहि गामक आमजनक जाहि तरहेँ सहयोग ओ प्रोत्साहन भेटि रहल छनि से निश्चिते अनुकरणीय अछि.

(रिपोर्ट/फोटो : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post