मैथिली सिनेमा हेतु तत्पर नरेश मंडल

कलकत्ता: मैथिली सिनेमा मे बेस किछु करबाक अछि. हम सभ जतय-ततय आन भाखा केर फिल्म हेतु काज करैत छी मुदा अपन भाखाक सिनेमा लेल किए ने परियास करब. हम चाहै छी जे मैथिली सिनेमा उद्योग स्थापित हो आ से होयत. नीक कथानक आ आजुक तकनीकक प्रयोग क' नीक फिल्म बनाएल जाए त' मैथिली सिनेमा मिथिला सहित कलकत्ता, दिल्ली, बम्बइ मे सेहो नीक कलेक्शन क' सकैए. एहने सन बात सभ कहलनि युवा फिल्म निर्देशक नरेश मंडल.
मूलतः समस्तीपुरक रहनिहार नरेश बेस उर्जा सं भरल लगलाह. ओ आइ-काल्हि एक मैथिली फिल्म हेतु दिन-राइत लागल छथि आ लगातार फिल्म निर्माण करबाक हेतु कटिबद्ध छथि. नरेश कतेको धारावाहिक हेतु पोस्ट प्रोडक्शन हेड केर रूप मे काज क' चुकल छथि. ओ एक बांगला आ एक नेपाली फिल्म सं सेहो जुड़ल रहल छथि. लगभग सात बरखक फिल्म ओ टीवी केर कार्य अनुभव ल' अपन भाखा मे फिल्म निर्माणक नियार मे जुटल नरेश सं बेस आशा कएल जा सकैत अछि. तखन देखबाक चाही ई अपन पहिल मैथिली फिल्म 'अपन प्रेम' सं लोकक कतेक प्रेम पबै छथि आ हिनक कटिबद्धता कतेक रंग अनैए. हिनका मिथिमीडिया दिस सं अशेष शुभेच्छा.
Previous Post Next Post