कविपति विद्यापति केर स्मरण मे कलश यात्रा

कलकत्ता. विद्यापति मिथिला केर महान विभूति छलाह आ वर्तमानो मे ओ प्रेरणा देनिहार छथि. मिथिला ओ मैथिली केर मोजर विद्यापतिक कारणे विश्वभरि  मे बढल अछि. एकदिस विद्यापति कवि रूपें प्रतिष्ठित छथि त' दोसर दिस हुनक रचना आ व्यक्तित्वक छाप एखनहुँ घर-घर मे अछि. हुनक गीत सभ कंठ-कंठ मे विद्यमान अछि आ पसरल अछि हुनक महादेवक प्रति भक्ति आ उगनाक कहिनी. उगना मिथिलाक घर-घर मे अछि महादेवक रूपें. मिथिला विकास परिषद् केर महिला शाखा मिथिला महिला मंच अनेक बरख सं गिरीश पार्क स्थित विद्यापति प्रतिमा सं भूतनाथ मंदिर धरि कलश यात्रा आयोजित करैत अछि जे एहू बेर रविदिन १७ नवम्बर कें भोरे आयोजित भेल. एहि कलश यात्रा मे भारी संख्या मे महिला लोकनि भाग लेलनि. यात्रा केर अगुआइ मिथिला महिला मंच केर अध्यक्षा श्रीमति शैल झा कयलनि. यात्रा कें स्थानीय सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय विदा कयलनि. एहि अवसर पर परिषद् अध्यक्ष अशोक झा सहित कार्यकर्ता लोकनि बेस तत्पर देखल गेलाह. कलश यात्रा मे विद्यापति आ उगना केर कथा पर आधारित झांकी बेस धियान आकृष्ट करैत रहल. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post