लक्ष्मण झा 'सागर' द्वारा एकल काव्यपाठ

काव्यपाठ करैत लक्ष्मण झा 'सागर' केर फ़ाइल छवि
कलकत्ता. मैथिली भाखा-साहित्य हेतु कोलकाता मे एम्हर गतिविधि बढल अछि. वरिष्ठ कवि लक्ष्मण झा 'सागर' द्वारा 'एकल काव्य पाठ' आयोजित कयल गेल अछि. कार्यक्रम रविदिन 27 अक्टूबर 2013 कें सांझ 5 बजे सं स्थानीय विद्यापति विद्यामंदिर मे आयोजित अछि. मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा आयोजित एहि कार्यक्रम मे महानगर केर मैथिली प्रेमी लोकनि उपस्थिति रहताह. विदित हो जे एहि तरहक आयोजन एतय पूर्व मे भेल अछि मुदा एम्हर बहुतो समय सं एहन सन साहित्यिक आयोजन नहि भेल अछि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post