पटना. दिल्ली मे भेल 'दामिनी'क संग ओ जयपुर (सीकर) मे मात्र 11 वर्षक
दरभंगाक लड़की संग भेल बलात्कारक विरोध मे आ न्याय केर मांग करैत
स्त्रीवर्गक सुरक्षा हेतु मजबूत कानूनक निर्माणक मांग मे मैथिल यूथ
परिषद् द्वारा 07 जनवरी 2013 (सोमदिन) कें सांझ 5 बजे सं 7 बजे धरि कारगिल
चौक, गाँधी मैदान, पटना मे कैंडल मार्च एवं शांतिपूर्ण विरोध
प्रदर्शन केर आयोजन कयल गेल. कैंडल मार्च गाँधी मैदान थाना सं शुरू भ'
गाँधी मैदानक चारू कात होइत कारगिल चौक गेल. एहि प्रदर्शन मे सुजीत चौधरी
केर कुशल नेतृत्व मे मैथिल यूथ परिषद्क बिहार प्रदेश समन्वयक कुमार आशुतोष
रंजन, संयोजक अनुज झा, नगर समन्वयक रौशन मिश्रा (पटना-पूर्वी) एवं मनीष
मिश्रा (पटना-पश्चिमी), अंकित झा, दुर्गेश कुमार पाठक, अभिषेक कुमार झा,
रौशन कुमार झा, बुद्धिनाथ ठाकुर, चंद्रशेखर गिरी, शम्भुनाथ झा, सुमन कुमार
झा, रंजित कुमार झा, राकेश कुमार, देवाशीष गौतम, पवन कुमार सहित अनेक
युवा लोकनि शामिल भेलाह. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)

Post Bottom Ad
- - - - - - -
ई मिथिमीडिया संपादन विभागक सदस्य छथि जे अपने लोकनि हेतु मातृभाषा मैथिली मे विभिन्न विषयक स्तरीय कंटेंट उपलब्ध करबैत छथि. मैथिली भाषाक प्रचार-प्रसार हेतु हमरा लोकनि अपने सं सहयोगक अपेक्षा रखैत छी. चलू संगे किछु डेग जे वेब पर मैथिली कें बेहतरी दिस ल' जाएत. मैथिली कंटेंट विषयक विशेष जनतब हेतु इमेल माध्यम सं सोझे संपर्क क' सकैत छी.
