मिथिलाक सारस्वत परंपराक प्रतीक डॉ.लक्ष्मण झा

—————  पुण्यतिथि पर विशेष ———
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय पूर्व कुलपति आ प्रकाण्ड विद्वान डॉ. लक्ष्मण झाक जन्म हुनक पैतृक, दरभंगा जिलाक रसियारी गाममे 5 सितंबर 1916 के भेल छल. डॉ. झा 1942 मे गाँधी जीक नेतृत्वमे अंग्रेजक विरुद्ध चलाओल गेल "भारत छोड़ो आंदोलन''मे सक्रिय रूपसँ भाग लेने छलाह. मैथिली, संस्कृत, अंग्रेजी आ हिन्दीक प्रकाण्ड विद्वान डॉ. लक्ष्मण झा 'मिथिला आ मगध' विषयपर लंदन विश्वविद्यालयसँ 1949 ईस्वीमे पी.एच.डी.क उपाधि प्राप्त कएलनि. महान मातृभूमि आ मातृभाषा अनुरागी डॉ.झा कैम्ब्रिज आ ऑक्सफोर्डक अध्यापन हेतु प्रस्तावकेँ ठोकरा देलनि आ मिथिला-मैथिलीक विकासक लेल आजीवन कटिवद्ध रहलाह. नेपाल आ भारत, दूनू पार अवस्थित मिथिलाक एककऽ भारतीय गणराज्यक अंतर्गत एकटा फराक मिथिला राज्य बनेबाक परिकल्पना करैत ई सुगौली संधिक विरोधमे सभसँ पहिने ठाढ़ भेलाह. पृथक मिथिला राज्यक लेल चलाओल जा रहल आंदोलनक ई प्रणेता कहल जाइत छथि. बहुआयामी प्रतिभासंपन्न डॉ. झा मिथिला-मैथिली आ मैथिलक गौरव उत्थान लेल सतत प्रयत्नशील रहलाह. ई 1952 ई.मे दरभंगा लोकसभा क्षेत्रसँ सोशलिस्ट पार्टीक टिकट पर चुनाव सेहो लड़ल रहथि. 1977-78मे मिथिला विश्वविद्यालक कुलपतिक रूपमे अपन 10 महिनाक कार्यकाल मे ई मात्र 1 टाका अपन वेतन स्वरूप लेइत छलाह. हिनक जीवनक सादगी आ उच्च विचारक चलतेँ हिनका मिथिलाक गाँधी आ अभिनव अयाची सेहो कहल जाइत अछि. डॉ. झाक अनेक पोथी प्रकाशित अछि जाहिमे अंग्रेजीक Mithila & Magadh (1948), Mithila A Union Republic ( 1951), Mithila A Sovereign Repulic (1954), Mithila will Rise (1955), The Northern Border (1955), The Voters In Mithila (1956), The Teachers in Mithila ( 1956), University For Mithila (1956), मैथिलीमे मिथिला भाषा ( १९५२), मिथिलाक उद्धार (1955), मिथिलाक मुक्ति (1956) तथा हिन्दीमे लंदन के पत्र (1949), किछु प्रमुख पोथी अछि. एकर अलावे विभिन्न भाषामे करीब पचास टा सँ बेसी पाण्डुलीपि एखनहु प्रकाशनक बाट ताकि रहल अछि. ई अपन जीवनकालमे सैकड़ो आलेख लिखलनि जे विभिन्न पत्र-पत्रिकामे छपल. मिथिलाक सारस्वत परंपराक प्रतीक डॉ.लक्ष्मण झाक निधन 2000 ई. आजुके दिन अर्थात 23 जनवरीकेँ हुनक अपन गाम रसियारी मे भऽ गेल. मिथिलाक एहि महान मनीषीक तेरहम पुण्यतिथिपर मिथिमिडिया हुनका मोन पारब अपन कर्तव्य बुझैत अछि आ एहि मिथिला विभूतीक प्रति अपन श्रद्धांजलि अर्पित करैत अछि. चन्दन कुमार झा 
Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
Previous Post Next Post