जनकपुर मे भेल कवि गोष्ठी

जनकपुरधाम. मैथिली भाषाक कार्यक्रम सभ मे जनकपुर मे तीव्रता आएल अछि. एहि क्रम मे शनिदिन एक दिवसीय कवि गोष्ठी कएल गेल. मैथिल ब्राह्मण समाज द्वारा आयोजित कवि गोष्ठी मे 27 गोट कवि मैथिली कविता वाचन कएलनि. वाचन करएबला कवि सभ मे अयोध्या नाथ चौधरी, दिगम्बर झा दिनमणि, पुनम झा, प्रमिला मिश्र, विजय दत्त मणि, देवेश्वर लाल मुन्ना, काशी कान्त झा, प्रेम विदेह ललन, अमर कान्त अमर, जय शंकर नाथ झा, चन्द्र कान्त झा, रुद्र नारायण झा मडइ, मनिका झा, विजय मस्त, प्रमोद नारायण झा, रामापति नाथ झा, अरविन्द कुमार यादव, धीरज कुमार साह, कोमल कर्ण, हसमुख कर्ण, ज्ञानेन्द्र झा, सुमन झा, उदिष्ट नारयण झा, नविन कुमार मिश्र, शुभ नारायण झा आदि छलाह. मैथिल ब्राह्मण समाजक केन्द्रीय अध्यक्ष पवन कुमार झाक अध्यक्षता मे भेल समारोह मे प्रमुख अतिथिक आसन सँ बजैत युवा सभ केँ साहित्य रचना मे जोड देबाक आग्रह कएलनि. समारोह मे पठित कविता पर अयोध्या नाथ चौधरी समीक्षा कएलनि.
(Report: सुजीत कुमार झा)
Previous Post Next Post