नकली नोटक पहिचान करत ई मोबाइल ऐप

ऑनलाइन प्रौद्योगिकी कंपनी चेकफेक ब्रैंड प्रोटेक्शन सस्टिम प्राइवेट लिमिटेड चेकफेक ऐप अनलक अछि, जाहि सं विश्वक कोनो मुद्राक जांच कएल जा सकैत अछि.

चेकफेक केर निदेशक आ सहसंस्थापक तन्मय जायसवाल कहलनि अछि जे चेकफेक एक ऑनलाइन प्लेटफॉर्म अछि, जाहि सं कोनो प्रचलित मुद्रा केर जांच भ' सकैत अछि. ई ऐप आईओएस आ एंड्रॉयड पर नि:शुल्क उपलब्ध अछि. एखन विश्व भरि मे पसरल जाली नोटक कुल मोल 170 अरब डॉलर बताओल जा रहल अछि.

जायसवाल कहलनि जे एहन बेसी काल सुनल जाइत अछि जे विदेशी सब कें नकली नोट द' देल जाइछ आ ओ लोकनि समस्या मे पड़ि जाइ छथि. एहि ऐप सं धोखाधड़ी मे कमी आओत.


Previous Post Next Post