उषाकिरण खानकें पद्मश्री सम्मान


नवदिल्ली/पटना: उषाकिरण खानकें साहित्य आ शिक्षा क्षेत्रमे योगदान लेल एहिबेरक पद्मश्री सम्मान देल गेल अछि. बिहारसं हिनका अतिरिक्त डॉ. नरेन्द्र प्रसादकें चिकित्सा क्षेत्रमे हुनक योगदानकें देखैत ई सम्मान देल गेल अछि. गणतंत्र दिवसक पूर्व संध्यापर जारी प्रेस विज्ञप्तिक अनुसार  9 पद्म विभूषण, 20 पद्म भूषण आओर 75 पद्मश्री अलंकरण प्रदान कयल जाएत. 

डॉ. उषाकिरण खान मैथिली-हिन्दीक प्रख्यात रचनाकार छथि. हिनका मैथिली उपन्यास भामती लेल साहित्य अकादेमी अवार्ड २०११ सेहो भेटल छल. मैथिलीमे कथा, नाटक, कविता, निबंध आदि लिखने छथि. काँचहि बाँस, अनुत्तरित प्रश्न, दूर्वाक्षत, जाय सं पहिने, भामती आदि हिनक प्रमुख मैथिली पोथी अछि.

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post