2022 धरि ई-कॉमर्स क्षेत्रक राजस्व रहत 52 अरब डॉलर!

मोबाइल फोन आ इंटरनेट यूजर केर बढैत संख्या ई-कॉमर्स व्यवसाय लेल वरदान साबित भ' रहल अछि. साल 2017 मे देशक ऑनलाइन खुदरा कारोबारक राजस्व 25 अरब डॉलर छल. एहि मे सालाना 20.2 प्रतिशतक वृद्धिक हिसाब सं 2022 धरि 52 अरब डॉलर होएबाक उमेद कएल जा रहल अछि.

डिजिटल मार्केटिंग कंपनी एडमिटेडक रिपोर्ट कहैत अछि जे 2017 मे जनसंख्याक 37 प्रतिशत लोक इंटरनेटक उपयोग करैत छल. एहि मे सं 14 प्रतिशत लोक नियमित रूप सं ऑनलाइन खरीदारी क' रहल छल. जनसंख्या मे इंटरनेट उपयोक्ताक ई भागीदारी 2021 धरि बढ़त आ 45 प्रतिशत होएबाक उमेद अछि. 

एही तरहें ऑनलाइन खरीदारक संख्या सेहो बढ़त आ ई 90 प्रतिशत होएबाक उमेद कएल जा रहल अछि. एखन ऑनलाइन खरीदारीक बेसी भाग डेस्कटॉप केर माध्यम सं भ' रहल अछि. 56 प्रतिशत लोक डेस्कटॉप सं त' ओतहि स्मार्टफोन सं महज 30 प्रतिशत लोक ऑनलाइन खरीदारी करैत अछि.

रिपोर्टक अनुसार 2020 धरि मोबाइल घनत्व जनसंख्याक 54 प्रतिशत भ' जाएत तैं मोबाइल कॉमर्स सं बेस उमेद कएल जा रहल अछि. इहो कहल गेल अछि जे लगभग 57 प्रतिशत भारतीय भुगतान के समय नकदीक प्रयोग करैत छथि. निकट भविष्य मे सब किछु तेजी सं बदलि जाएत, एहन अनुमान अछि. आगामी दशक मे डिजिटल लेनदेन मे बढ़ोतरी होएबाक चाही.


Previous Post Next Post