दुनिया भरि मे प्रतिभाक भारी कमी, कंपनी सबहक बढ़ल चिंता

जेना-जेना लोकक जीवन स्तर मे सुधार भेल जा रहल छै, तेना-तेना टैलेंटेड लोकक कमी देखल जा रहल छै. एहि कें ल' जापान सबसं बेसी चिंता मे अछि. शिक्षित लोक बढ़ल अछि मुदा दीक्षित लोकक खूब अभाव देखल जा रहल अछि. एखन चीनक स्थिति तइयो आन देशक तुलना मे नीक अछि.

बीतल 12 साल मे प्रतिभाक सबसं बेसी कमी देखल जा रहल छै. भारत प्रभावित शीर्ष 10 देश में शामिल अछि. सर्वे मे सोझां आएल अछि जे भारतक 56 प्रतिशत कंपनी कें खाली पद भरबा मे बेस दिक्कत भ' रहल छै. एहि सर्वे मे विश्व भरिक  40,000 कंपनी कें राखि क' देखल गेल अछि. वैश्विक मामिला मे 45 प्रतिशत कंपनी कें खाली पद भरबा मे दिक्कत भ' रहल छै.

प्रतिभाक कमी सं जूझि रहल शीर्ष दस देश मे हांगकांग (76 प्रतिशत), बुलगारिया (68 प्रतिशत), तुर्की (66 प्रतीत), यूनान (61 प्रतिशत), सिंगापुर (56 प्रतिशत) आ स्लोवाकिया (54 प्रतिशत) अछि. कहल जा रहल अछि जे कंपनी सब डिजिटल बदलाओ दिस बढ़ल जा रहल अछि आ सही तकनीकी कौशलबला लोकक महत्व बढ़ल जा रहल अछि.

ई सर्वे मानव संसाधन विभाग लेल मथदुक्खी सं कम नै अछि कारण भारतक जनसंख्या बेस तेजी सं बढ़ल जा रहल छै. 


Previous Post Next Post