नवोदित कला प्रतिभाक प्रोत्साहन हेतु पुरस्कारक घोषणा

कोकिल मंच लगभग तीन दशक सं कोलकाताक रंगमंच कें जगजियार केने अछि. पछिला मास मंच अपन 28म वार्षिकोत्सव मनओलक आ एहि अवसर पर 36म नाट्य प्रस्तुति देलक. एहि अवसर पर कलाकुंज (कलामंदिर) मे मैथिली नाटक 'बेलक मारल' केर मंचन कएल गेल. एकर अतिरिक्त नवांकुर प्रतिभाक प्रोत्साहन लेल मंच दिस सं पुरस्कारक घोषणा सेहो कएल गेल.

नाट्य क्रियाकलाप कें जियओने रखबा हेतु नव प्रतिभाक आगमन आ तकरा उचित प्रोत्साहनक जरूरति महसूस कएल जा रहल छल. एहि दिशा मे मंचक ई डेग बेस सराहनीय अछि. मंच दिस सं प्रसिद्ध रंगकर्मी ओ पदाधिकारी श्रीमती किरण झा अपन माएक नाओ पर वार्षिक पुरस्कार शुरू केलनि अछि. 


ज्ञात हो जे पहिल खेपक सुशीला चौधरी कला प्रोत्साहन पुरस्कार तीन संभावनाशील प्रतिभा कें देल गेल अछि, जाहि में सुरभि झा, रौशन कुमार झा ओ रोहित राय शामिल छथि. हिनका लोकनि कें पुरस्कार स्वरूप दू हजार टाका ओ प्रशस्ति पत्र देल गेलनि. तीनू गोटे आयोजित समारोह मे मंच पर अपन प्रस्तुति सेहो देलनि.


किरण झा मिथिमीडिया कें जनबैत छथि जे सुरभि झा कथक नृत्यांगना छथि त' रौशन कुमार झा गीत-संगीत आ मंचीय अभिनय सीखि रहल छथि. ओतहि रोहित राय गीत-संगीत मे आगू बढबाक चेष्टा मे छथि. मंच एहि तीनू प्रतिभाक उज्ज्वल भविष्यक कामना करैत अछि. 

ओ कहैत छथि जे नवांकुर कें मार्गदर्शन करबाक हेतु कोकिल मंच सदति तत्पर आ कटिबद्ध अछि. जे कोनो प्रतिभा कें कला क्षेत्र मे आगू बढबाक हो से मंच सं संपर्क मे रहि सकैत छथि. उचित मार्गदर्शनक संग हम सब नवका कें अवसर सेहो प्रदान करबाक लेल समर्पित छी. 
Previous Post Next Post