Google Maps हेराएल मोबाइल तकबा मे भेल सहायक

आम लोक बड़ सेहन्ते आ संघर्ष सं मोबाइल कीनैत अछि आ से जओं हेरा गेल वा चोरी भ' गेल त' से एकटा बड़का झटका सं कम नै होइ छै. हमहूं मोबाइल हेरा नेने छी आ हमरे जकां आओरो गोटे एहि अनुभव सं गुजरल हेताह. मुदा संतोषजी कें मोबाइल हेरेबाक अनुभूति तखन खुशी मे परिणत भेल, जखन हुनका एक-आध घंटाक बादे मोबाइल भेटि गेलनि.

संतोष मिश्र तकनीक प्रेमी लोक छथि आ से हुनका एकर लाभ भेटलनि. जखन हुनक मोबाइल कोनो चोर ल' लेलकनि त' ओ पुलिस कम्प्लेन लेल सोचए लगलाह. हालांकि हुनक मित्र लोकनि, जिनका सं मोबाइल हेरेबाक जिकर केलनि सब यएह सलाह देलकनि. मुदा ओ पुलिस लग जेबा सं पहिने अपन ऑफिस पहुंचैत छथि आ गूगल मे लॉग-इन करैत छथि.



गूगलक सेटिंग्स मे हुनका मोबाइल केर लोकेशन देखबए लगैत छनि. तकनीक प्रेमी रहने हुनक इंटरेस्ट बढैत छनि आ ओ पहुंचैत छथि Google Maps पर. हुनका हेराएल मोबाइल केर लोकेशन स्पष्ट देखा रहल छलनि. ओ ताधरि लोकेशन ट्रैक करैत रहलाह जाधरि मोबाइल मूव करैत रहल. जखने मोबाइलक मूवमेंट स्थिर भेल त' ओ अपन एक मित्रक संग लोकेशन पर गेलाह त' एक व्यक्ति लग हुनक फोन छलनि, जतय सं हुनका फोन भेटि गेलनि. 

संतोषजी कहैत छथि,

'ई अनुभूति कोनो जादो सं कम नै लागल. गूगल मैप मे मोबाइल हेरेलाक बाद रजिस्टर करैत कनेक परेशानी भेल मुदा ट्रैक भेटल आ पुलिसक पचड़ा मे पड़ने बिनु मोबाइल भेटि गेल. गूगल जतेक तेजी सं मोबाइल ताकि देलक से पुलिस बूते संभव नै होइत.'


Google कें एहि हेतु बहुत रास बधाइ! ओ लोकनि तकनीकक माध्यमें जीवन कें आसान आ सुरक्षित सेहो क' रहल छथि.
Previous Post Next Post