एहि महान पत्रकारक स्मरण मे Google बनओलक Doodle!

गूगल आइ एक महान समाज सुधारक, चिंतक आ पत्रकार राजा राममोहन राय कें स्मरण करैत डूडल बनओलक अछि. एहि डूडल मे ओ हाथ मे कोनो ग्रंथ रखने छथि आ लोक सब हुनक बात सुनि रहल छनि. जनतब हो जे आइ 22 मइ कें हुनक 246म जन्मदिन छनि. गूगल अपन विशेष तरीका सं एहि महात्मा कें श्रद्धांजलि देलक अछि.

ज्ञात हो जे ई डूडल टोरंटो केर डिजाइनर बीना मिस्त्री बनओलनि अछि. जाहि मे देखाओल गेल अछि जे कोना ओ जीवनभरि अंधविश्वास आ सामाजिक कुरीति सं जकड़ल समाज कें बाट देखओलनि. हिनका आधुनिक भारतक जनक सेहो कहल जाइछ. ई एक दिस जनता कें जगबैत छलाह त' दोसर दिस देश कें अंगरेजी शासन सं मुक्त करेबाक प्रयास मे सेहो लागल छलाह.


सती प्रथा कें समाप्त केनिहार राजा राम मोहन राय केर जन्म 22 मई 1972 मे पश्चिम बंगालक मुर्शिदाबाद मे ब्राह्मण परिवार मे भेल छलनि. मात्र 14 वर्ष केर आयु मे हिनका बांग्ला, संस्कृत, अरबी आ फ़ारसी केर ज्ञान भ' चुकल छलनि. 1803 सं 1804 धरि ओ इस्ट इंडिया कंपनी मे काज केलनि आ फेर ओतय सं त्यागपत्र द' अपना कें देश सेवा मे लगा देलनि.

राजा मोहन राय बेस पढ़ाकू लोक छलाह आ पिता संग वैचारिक मतभेद भेने घर सं विदा भ' गेलाह. हिमालय प्रवास करैत हिनका कतेको आओर ज्ञान प्राप्त भेलनि. 1829 मे सती प्रथा कें समाप्त करबाक श्रेय राजा राम मोहन राय कें छनि. ओ  बाल विवाह, बहुविवाह, शिशु हत्या सन कतिपय सामाजिक कुरीति कें समाप्त करबाक पूरा प्रयास केलनि.


राजा राममोहन राय 'ब्रह्ममैनिकल मैग्ज़ीन', 'संवाद कौमुदी', मिरात-उल-अखबार, बंगदूत सन स्तरीय पत्रक संपादन-प्रकाशन केलनि. 27 सितम्बर 1833 कें हिनक निधन इंग्लैंड मे भेलनि. ब्रिटेनक ब्रिस्टल नगरक आरनोस वेल मे हिनक समाधि बनाओल गेल अछि.

मिथिमीडिया दिस सं हिनका श्रध्दा समर्पित अछि!

Maithili News, Mithila News, Maithil News, Digital Media in Maithili Language
Previous Post Next Post