20 अप्रील सं होएत 5म दरभंगा अंतर्राष्ट्रीय फिल्म महोत्सव

दरभंगा फिल्म क्लब दिस सं पांचम दरभंगा अंतर्राष्ट्रीय फिल्म महोत्सव 20 सं 22 अप्रील 2018 धरि मनाओल जाएत. फिल्म आ कला कें समर्पित ई तीन दिवसीय आयोजन सिल्वर जुबली ऑडिटोरियम, नरगौना पैलेस, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे कएल जाएत.

क्लब दिस सं जारी विज्ञप्तिक अनुसार सामाजिक सरोकार सं जुड़ल विभिन्न मुद्दा कें उठाएब आ फ़िल्मक माध्यम सं ओकरा प्रस्तुत करब एहि कार्यक्रमक मूल उद्देश्य छी. संगहि मिथिला क्षेत्र में स्थानीय भाषक फिल्म उद्योगक विकास हेतु फिल्म सिटी के निर्माण की दिशा में प्रयास खगता पर इजोत देल जाएत.


फिल्म क्लबक संस्थापक चेयरमैन मेराज सिद्दीकी मिथिलाक सिनेमा कें विश्व फलक पर ल' जाएब आ वैश्विक सिनेमा कें मिथिला आ बिहार सं कनेक्ट क' एकर विकास करबाक ध्येय सं लगातार एहि आयोजन मे अपना कें झोंकने छथि. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे सेहो अभिनय मे डिप्लोमा शुरू कोर्स शुरू कएल गेल अछि. एहि सं छात्र लोकनि सेहो लाभान्वित भ' सकैत छथि.

एहि तीन दिवसीय फिल्म महोत्सव मे जा सिनेमा कें लग सं देखि सकैत छी त' सिने प्रतिभा सभ सं भेंट-घांट क' सकैत छी. महोत्सव मे सांस्कृतिक प्रस्तुतिक संग साहित्य-सिनेमा पर परिचर्चा, फिल्म प्रदर्शन कएल जाइत अछि. शीघ्र कार्यक्रमक विस्तृत विवरण आबि जाएत. 

DIFF केर फेसबुक पेज सं जुड़ल रहने अपडेट भेटैत रहत!


  
Previous Post Next Post