देशक 85 प्रतिशत इंटरनेट यूजर्स देखैत छथि यूट्यूब!

देशभरि मे स्मार्टफोन यूजर्स केर संख्या लगातार बढ़ल जा रहल अछि. संगहि यूट्यूब पर यूजर्स केर संख्या मे बढ़ोतरी देखल जा रहल अछि. यूट्यूब पर मासिक लगभग 22.5 करोड़ एक्टिव यूजर्स अछि. गूगल एहि विषयक एक सर्वेक्षण केलक अछि जाहि मे भारत मे इंटरनेट इस्तेमाल केनिहार मे सं लगभग 85 प्रतिशत यूजर्स धरि यूट्यूब पहुंचि गेल अछि.

जनतब हो जे भारत मे यूट्यूब लॉन्च भेला एक दशक पूर होएबाक अवसर पर मुंबइ मे आयोजित एक कार्यक्रम मे यूट्यूबक वाइस प्रेसिडेंट राजन आनंदन कहलनि जे भारत पहिल वीडियो इंटरनेट कंटेंटबला देश अछि. 

एतय वीडियो फ़ॉर्मेट मे कंटेट देखनिहार बेसी छथि. ओ उमीद जतओलनि जे साल 2020 धरि ऑनलाइन वीडियो यूजर्स केर कुल संख्या 500 मिलियन धरि जा सकैत अछि.

विदित हो जे मिथिमीडिया सेहो यूट्यूब पर उपस्थित अछि. अपने लोकनि चैनल subscribe करी.






Previous Post Next Post