दिल्ली मे तीन दिवसीय मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल

मैथिली भाषा-साहित्य कें केंद्र क’ राजधानी दिल्ली मे काल्हि सं तीन दिवसीय लिटरेचर फेस्टिवल आयोजित अछि. साहित्यक एहि कुंभ मे देश-विदेशक मैथिलीकर्मी जुटि रहलाह अछि.

फेस्टिवलक आयोजन मैथिली लेखक संघ ओ मैभो अकादमी सहित कतिपय संस्थादि संयुक्त सहयोग सं क’ रहल अछि. 16 मार्च सं 18 मार्च धरि नव दिल्लीक इंदिरा गांधी राष्ट्रीय कला केंद्र परिसर मे साहित्यक भव्य आयोजन राखल गेल अछि.

तीन दिन मे भाषा-साहित्य, लोककला आदि अनेक विषय पर सत्र सभ आयोजित अछि. मैथिलीक ई आयोजन दू खेप पटना मे भ’ चुकल अछि आ ई तेसर संस्करण अछि जे एमकी राजधानी दिल्ली होस्ट क’ रहल अछि.

जें कि दिल्ली एखन मैथिली-मिथिलाक केंद्र बिंदु जकां विकसित भेल अछि, एहि आयोजन सं भाषा-साहित्यक परिचिती आ प्रसार कें मदति भेटि सकैत छै. मिथिमीडिया दिस सं शुभकामना!

विशेष जनतब एतय देखल जा सकैत अछि!

Previous Post Next Post