देवनागरी हेतु Google द' रहल अछि free fonts

Internet पर भारतीय भाषा कनेक विलंब सं उपस्थित भेल मुदा आब बेस सुदृढ़ भेल अछि. भारतीय Internet User केर विशाल संख्या कें देखैत तकनीक कंपनी सभ अपन उत्पाद भारतीय भाषा मे उपलब्ध करा रहल अछि. Google भाषा पर काज केनिहार कंपनी सभ मे शीर्ष पर अछि.

जें कि भारतक अनेक भाषा देवनागरी लिपि मे लिखल जाइछ त' गूगल लोकक सुविधा लेल free font उपलब्ध करओलक अछि. ई देवनागरी fonts मुफ्त मे अछि आ अपने एकरा सहजता सं उपयोग क' सकैत छी. 

जनतब हो जे गैर-यूनिकोड इस्तेमाल केनिहार ब्लॉगर वा प्रकाशक लोकनि कें बेस समस्या होइत छलनि. कृतिदेव सन फॉन्ट्स मे टाइप केलाक बाद कनवर्ट करब कठिनाह छल. एही समस्या कें दूर करबाक प्रयास Google केलक अछि.


ऑनलाइन उपयोग लेल कतेको फॉन्ट्स टाका खर्च क' यूज कएल जाइत छल. गूगल आब मुफ्त मे यूनिकोड फॉन्ट्स उपलब्ध करा लेखक, पत्रकार आ छात्र लोकनि लेल बेस उपकारी काज केलक अछि.

Google Fonts कें नीचां देल लिंक सं डाउनलोड क' उपयोग क' सकैत छी.




Previous Post Next Post