कटहर लेलक केरल, बनओलक आधिकारिक फल!

किछु दिन पहिने रसगुल्ला कें अपनियाबए लेल बंगाल बेहाल भेल छल आ अंततः ओकरे भेलै रसगुल्ला. मुदा नबका समाद अनुसार कटहर केरल अपना हिस्सा मे रखलक अछि.

ज्ञात हो जे केरल सरकार कटहर कें अपन आधिकारिक फल घोषित केलक अछि. कृषि मंत्री वी एस सुनील कुमार राज्य विधानसभा मे एहि बातक घोषणा केलनि.


कुमार कहलनि, एहि माध्यम सं देश-विदेशक बाजार मे केरल केर कटहर कें एक ब्रांड रूप मे बढ़ावा द’ एकर जैविक आ पौष्टिक गुण कें प्रदर्शित करब अछि. राज्य मे सालाना लगभग 32 करोड़ कटहर  उत्पादन कएल जाइत अछि, जाहि मे लापरवाहीक कारणें 30 प्रतिशत बेकार भ’ जाइछ.

कटहर बेस स्वादिष्ट ओ लाभकारी फसिल अछि, जे तरकारी आ फल दुनू रूप मे उपयोग कएल जाइछ. स्वास्थ्य आ विपणन दुनू दृष्टि सं ई लाभकारी होइछ. 

जनतब दी जे केरल राज्यक आधिकारिक पशु हाथी, आधिकारिक पक्षी ग्रेट हार्नबिल आ कानिकोन्ना आधिकारिक फूल अछि. सरकार कृषि उत्पाद ओ फल कें प्रचार-प्रसार लेल 'जेकफुट फेस्ट' आयोजित करैत अछि.



Previous Post Next Post