पैन कार्ड कें आधार सं लिंक करबाक अंतिम डेट घुसकल!

केंद्र सरकार पैन कार्ड कें आधार सं जोड़बाक समय सीमा तीन बढ़ा क' 31 मार्च क' देलक अछि. पहिने ई 31 दिसंबर, 2017 छल. बता दी जे ई समय सीमा तेसर बेर बढ़ाओल गेल अछि.

एहि विषयक बयान वित्त मंत्रालय दिस सं जारी कएल गेल अछि. सरकार द्वारा पैन कार्ड कें आधार सं लिंक करब अनिवार्य कएल गेल अछि. आयकर कानून धारा 139 एए (2)क अनुसार जाहि व्यक्ति लग 1 जुलाइ 2017 धरि पैन अछि आ ओ आधार पहिचान पत्र प्राप्त करबाक पात्र छथि, हुनका अपन आधार संख्या केर जानकारी अधिकारी लोकनि कें देब जरूरी अछि.

उल्लेखनीय अछि जे ई मामिला उच्चतम न्यायालय मे विचाराधीन अछि. उच्चतम न्यायालय आधार कें अनिवार्य बनएबाक फैसलाक विरुद्ध दायर याचिका सभ पर सुनवाइ क' रहल अछि. 

सरकार पैन सहित कतेको कल्याणाकारी योजना आ सेवा सभ कें आधार सं जोड़ब अनिवार्य केने अछि.


Previous Post Next Post