Happy New Year 2018: मिथिला सहित समूचा विश्व मे हर्षक माहौल!

अंगरेजी साल 2018 आइ सं शुरू भ' गेल अछि. लोक नाच-गान, आतिशबाजी आ झमटगर खान-पानक संग नव साल कें स्वागत केलनि. दड़िभंगा, पटना, जनकपुर, काठमांडू, दिल्ली, मुंबई, कोलकाता, चेन्नई सहित भारत-नेपालक लगभग सभ भाग मे राति बारह बजिते दीयाबाती सन माहौल देखना गेल. लोक एक दोसर कें ऑनलाइन-ऑफलाइन मोबारकबाद देलनि. 

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी नव सालक पूर्व संध्या पर समूचा देशवासी कें शुभकामना देलनि. ओम्हर ओहि पार नेपाल मे सेहो अंगरेजी नव वर्ष पर उत्साह देखल गेल. बता दी जे भौगोलिक स्थितिक कारणें न्यूजीलैंड सभ सं पहिने नव साल केर स्वागत करैत अछि. असल मे न्यूजीलैंड मे नव दिनक शुरुआत सब सं पहिने होइ छै. एतय नव सालक पहिल दिन पब्लिक हॉलिडे रहैत छै.

न्यूजीलैंड के बाद ऑस्ट्रेलिया आ दक्षिण कोरियाक राजधानी सियोल सहित पूरा दुनिया नव सालक स्वागत मे आतिशबाजी आ उत्सव मनेबा मे जुटल. मिथिला मे अंगरेजी नव साल मनेबाक कोनो तहां परम्परा नै रहल छै मुदा एम्हर किछु साल मे उत्सवक माहौल देखल जाइत छै.

एहि अवसर पर सांस्कृतिक अनुष्ठान, जबरदस्त जुटान, खानपान पर लोक जोर देइत छथि आ एक-दोसर कें शुभकामना सेहो देइत छथि. 


Previous Post Next Post