आब लोकल न्यूज कें बेस प्रमोट करत फेसबुक!

फेसबुक अपन न्यूज़ फीड में अनेक बदलाओ क' रहल अछि. कंपनीक चीफ एक्जिक्युटिव मार्क जकरबर्ग कहलनि अछि जे फेसबुक अपन लेटेस्ट अपडेट मे स्थानीय न्यूज कें बेसी देखाओत. जकरबर्ग अपन एक फेसबुक पोस्टक माध्यम सं जनओलनि जे आब ओ लोकनि स्थानीय गाम-शहरक न्यूज स्टोरी बेसी देखओताह.

ओ लिखलनि जे लोकल पब्लिशर कें फॉलो करै छी त' ओ जओ कोनो स्थानीय स्टोरी शेयर करैत अछि त' ई न्यूज फीड मे बेसी देखबा मे आबि सकैत अछि. ई अपडेट पहिने अमेरिका आ फेर तकर बाद अन्य देश सब मे लागू कएल जाएत.


गौर करबाक बात ई अछि जे फेसबुक पछिला किछु समय सं आलोचनाक शिकार भ' रहल अछि. आरोप लगैत रहल अछि जे ओ फेक न्यूज कें बढ़ावा देइत अछि आ अमेरिका सहित दुनिया भरिक चुनाव कें प्रभावित करैत अछि. एकर बादे एहन सन परिवर्तन कएल जा रहल अछि.

ओम्हर, फेसबुक ब्रैंड आ पब्लिशर्स केर गैर-विज्ञापनबला पोस्ट्स केर संख्या मे कमी क' देलक अछि. फेसबुक केर ई डेग निवेशक लोकनि कें चिंतित क' देने अछि जे लोक आब फेसबुक सं वेबसाइट आ एप पर कम जाएत.


Previous Post Next Post