फाइनली...विरुष्का क' लेलनि बियाह, बहुत रास बधाइ!

क्रिकेटर विराट कोहली आ अभिनेत्री अनुष्का शर्मा अंततः बियाह बन्हन मे बन्हा गेलाह अछि. आबि रहल खबरिक अनुसार दुनू प्रेमी मारिते रास गप्प-सरक्का कें विराम देइत 11 दिसंबर कें इटलीक मिलान शहर मे बियाह क' लेलनि. ओना बियाहक औपचारिक घोषणा शीघ्र हेबाक आशा कएल जा रहल अछि.

अनुष्का शर्मा अपन टि्वटर अकाउंट पर विवाहक फोटो शेयर केलनि अछि.


विवाह समारोह मे निकट संबंधी आ मित्र लोकनि शामिल भेलाह. कहल जा रहल अछि जे क्रिकेटक दुनिया सं सचिन तेंडुलकर आ फिल्मी दुनिया सं शाहरुख खान समारोह में शामिल भेल छलाह.

खबरिक अनुसार 26 दिसंबर कें मुंबई मे रिसेप्शन होएत. कोहली आ अनुष्का, दुनू 2013 मे एक शैंपू केर विज्ञापन करैत एक-दोसराक निकट आएल छलाह. पछिला किछु साल सं दुनूक अफेयर मीडिया मे शीर्ष पर बनल रहल छल.



कहि दी जे कोहली एखन दुनियाक सबसं बेसी टाका कमेनिहार ऐथलीट्स मे सं छथि त' अनुष्का एक कामयाब सितारा आ फिल्म प्रड्यूसर छथि.
Previous Post Next Post