ओडिशा नै, पश्चिम बंगालक भेल रसगुल्ला - कलकतिया खुश!


फल मे आम आ मधुर मे रसगुल्लाक कोनो जोड़ नै. एहना मे विगत किछु साल सं रसगुल्ला पर मारि फंसल छल ओडिशा आ पश्चिम बंगालक मध्य। रसगुल्ला पर ओडिशा अपन अधिकार जता रहल छल. ओडिशा केर कहब छल जे रसगुल्लाक मूल भूमि ओडिशा अछि.

एहि बात कें ल' ओडिशा आ पश्चिम बंगालक मध्य जून 2015 सं कानूनी लड़ाई शुरू भ' गेल. मुदा एहि मे पश्चिम बंगाल कें डिग्री भेटि गेल अछि. ई निश्चित भ' गेल अछि जे रसगुल्ला मूल रूप सं बंगालक मधुर अछि.


पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जी कहलनि अछि जे राज्य कें रसगुल्ला लेल भौगोलिक संकेत वा जीआई केर दर्जा देल गेल अछि. ओ ट्वीट केलनि जे ई बड़का खुशखबरी अछि.  

विश्व व्यापार संगठनक तहति जीआई एक एहन संकेत अछि जे कोनो उत्पाद कें कोनो एक विशेष स्थान सं उद्भवक विषय मे बतबैत अछि. कलकत्ता केसीदास मधुर दोकान मे भीड़ बढ़ल देखना जा रहल अछि.


Previous Post Next Post