5 गोटे कें भेटल नेपाल विद्यापति मैथिली पुरस्कार!


नेपाल सरकार द्वारा स्थापना कएल गेल नेपाल विद्यापति पुरस्कार कोष एहि वर्षक लेल विभिन्न बिधाक मैथिली पुरस्कार पाँच गोटे साहित्यकार कें प्रदान करबाक घोषणा कएलक अछि.

नेपाली दू लाख रुपैया नगद राशि सहितक नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा-साहित्य पुरस्कार धनुषा जिलाक रोशन जनकपुरी (अरविन्द कुमार लाल)कें प्रदान करबाक निर्णय कएल गेल अछि. एहिसँ पहिने नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा-साहित्य पुरस्कार डा. राजेन्द्र विमल, रामभरोस कापडि भ्रमर, डा. रेवती रमण लाल, रामानन्द युवा क्लब, मिथिला नाट्यकला परिषद कें प्राप्त भेल अछि.

एहि तरहें नेरु 1 लाख राशिक एहि वर्षक नेपाल मैथिली अनुवाद पुरस्कार मैथिली साहित्य परिषद राजविराजक पूर्व अध्यक्ष रहि चुकल सप्तरी नेपालक साबिक बरही बिरपुर वार्ड नम्वर 6  (सम्प्रति छिन्नमस्ता गाउँपालिका 1) निवासी देवेन्द्र मिश्र कें प्रदान करबाक निर्णय कोष कएलक अछि.

संस्कृत भाषा मे लिखल श्रीमद्भगवद्गीताक मैथिली पद्यानुवादक लेल उक्त पुरस्कार हिनका प्रदान कएल जाएत. बगियाक गाछ नामक बाल कथा संग्रह, मैथिली सामान्य ज्ञान, मैथिली मनोहर पोथी, श्रीमद्भगवद्गीता मैथिली पद्यानुवाद आदि पुस्तक ओ लिखि चुकल छथि. एहि सँ पहिने ई पुरस्कार डा. रामदयाल राकेश, पं सूर्यकान्त झा, डा. गङ्गा प्रसाद अकेला, धीरेन्द्र प्रेमर्षि, मुरलीधर कें भेटल अछि.

नेरु 1 लाखक नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डुलिपि पुरस्कार सिरहा जिलाक हिमांशु चौधरी कें हुनक मैथिली कथा संग्रहक पाण्डुलिपि अनर्थक लेल देबाक घोषणा भेल अछि. एहि सँ पहिने ई पुरस्कार प्रा. परमेश्वर कापडि, रामनारायण सुधाकर, काशीनाथ झा, चन्द्रशेखर लाल शेखर, अवधेश पोखरेल आ हिमांशु चौधरी कें प्राप्त भेल अछि.

एक लाख राशिक नेपाल विद्यापति मैथिली अनुसन्धान पुरस्कार सर्लाही जिलाक ( काठमाडौँ निवासी) सहप्राध्यापक देवनारायण यादव कें देबाक निर्णय भेल अछि. एहि सँ पहिने ई पुरस्कार डा. रामावतार यादव, डा. योगेन्द्र प्रसाद यादव, डा. सुनिल कुमार झा, डा. बासुदेव लाल दास, डा. विरेन्द्र पाण्डे कें देल गेल छल.

तहिना नेपाल विद्यापति मैथिली कला संस्कृति पुरस्कार धनुषा जिलाक सहप्राध्यापक रामसागर पण्डित कें हुनक मूर्तिकलाक लेल देल गेल अछि. एहि सँ पहिने ई पुरस्कार रञ्जू झा, महेन्द्र मलङ्गिया, रामशोभित राय, चित्रकार श्यामसुन्दर यादव, नवीन कुमार मिश्र कें देल गेल छल. एहू पुरस्कारक राशि नेरु एक लाख अछि.

प्राध्यापक डाक्टर विजय दत्तक अध्यक्षता मे रहल सञ्चालक परिषद द्वारा गठित प्राध्यापक आशा सिन्हाक संयोजकत्व मे उप प्राध्यापक रूपेश कुमार सिंह आ श्यामा कुमारी महतो सम्मिलित चयन समिति द्वारा 1 नवम्बर 2017 कें ई निर्णय कएल गेल आ कोषक विधान अनुसार विद्यापति स्मृति पर्वक दिन 1 नवम्बरक दिन एकर घोषणा कएल गेल. 2011 ई. मे नेपाल सरकार द्वारा नेपाली रुपैया 1 करोड़क अक्षय कोष राखि ब्याज सँ प्रत्येक वर्ष एकटा दू लाख आ चारिटा एक-एक लाख राशिक पुरस्कार पाँच टा अलग-अलग विधा मे देल जाइत अछि.

ज्ञातब्य जे किछु अपरिहार्य कारण सँ 2015 ई. लेल ई पुरस्कार सभ किनको नहि देल गेल छल.

— देवेन्द्र मिश्र
Previous Post Next Post