मिथिला विश्वविद्यालय आंदोलन: MSU कें मिथिमीडिया एना प्रकट केलक आभार!

मिथिला विश्वविद्यालय मे अनियमितता कोनो नब गप्प नै अछि. एकर लचर बेवस्था मिथिला भरिक छात्र कें उच्च शिक्षा लेल बाहर जेबा लेल बाध्य क' देइत अछि. कहल जाइत रहल अछि जे मिथिला विश्वविद्यालय सं 3 सालक ग्रेजुएशन 5 साल मे पूरा होइछ. एम्हर एक टीवी न्यूज चैनल द्वारा विश्वविद्यालयक विभिन्न कॉलेज मे प्राध्यापकक भारी कमी पर इजोत देल गेल.

मिथिला स्टूडेंट यूनियन, जाहि सं मिथिला भरिक छात्र जुड़ल अछि एहि सब कें कान बात देइत आंदोलनक बिगुल बजेलक. 15 नवम्बर कें देखिते-देखिते हजारोक संख्या मे पीयर टीशर्टबला छात्रक हुजूम दड़िभंगा शहर कें डोला देलक. विश्वविद्यालय परिसर मे अचक्के एतेक छात्रक जमावड़ा चकित केलक. 
वाइस चांसलर संग छात्र लोकनिक बैसक आ बातचीतक बाद यूनियनक 11 सूत्री मांग कें मानि लेल गेल आ यथाशीघ्र अव्यवस्था सुधारबाक आश्वासन देल गेल. धियान देबए योग्य बात ई अछि जे मिथिला-मैथिलीक स्थानीय मुद्दा पर जन सामान्यक  एतेक जुटानी पहिल खेप देखल गेल, जाहि सं राजनीतिक हलचल सेहो मचल देखल गेल.

जाहि साधल डेगे परिपक्वताक परिचय देइत यूनियन प्रभावी आन्दोलन केलक अछि, से प्रशंसनीय! मिथिमीडिया एहि वीडियोक माध्यम सं यूनियनक प्रति आभार प्रकट करैत अछि!

मिथिमीडिया केर YouTube चैनल Subscribe करी. 

Previous Post Next Post