पूनम कें 'मिथिला विभूति सम्मान' देल जएबाक घोषणा


मैथिलीक सुप्रसिद्ध लोकगायिका पूनम मिश्र कें विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा द्वारा एहि वर्ष 'मिथिला विभूति सम्मान' देल  जएबाक घोषणा भेल अछि. ई संगीतकला प्रेमी लोकनिक लेल बेस आह्लादकारी समाद अछि. पूनम मैथिली लोकगायन कलाक क्षेत्र मे शीर्ष पर विराजमान कलाकार मे गानल जाइत छथि.

ज्ञात हो जे बेनीपट्टी प्रखंडक मनपौर गाम निवासी रोहित नारायण मिश्र केर सुपुत्री पूनम मैथिली लोकगायन कें एक नव आयाम देखओलनि अछि. मिथिला क्षेत्र मे हिनक गाओल पारंपरिक गीत बिनु शाइते कोनो मांगलिक काज संपन्न होइत हो, से कहल जा सकैत अछि. मधुबनी सं ल' देश विभिन्न भाग मे ई मैथिली मंच कें अपन स्वर सं सजओलनि अछि.


पूनम अपन ई सम्मान अपन पिता कें समर्पित करैत छथि जे हिनक संगीत गुरु ओ पथ प्रदर्शक रहलाह अछि. नेनहि मे संगीतक प्रति पूनमक रुचि कें देखैत हिनक पिता हिनका उचित प्रशिक्षण ओ गाइडेंस देलनि जे आइ पूनम मिथिलाक स्वर पहिचान बनल छथि. बता दी जे हिनक पिता संगीत शिक्षक रहल छथि.

विद्यापति सेवा संस्थान दिस सं तीन दिवसीय मिथिला विभूति पर्व समारोहक अवसर पर पूनम कें सम्मानित कएल जेतनि. ई जनतब सस्थानक महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौाधरी 'बैजू' देलनि. ओ कहलनि जे समारोह 2 नवंबर कें शुरू होएत जे 4 नवम्बर धरि चलत. एहि अवसर पर संस्कृत, मैथिली, पत्रकारिता, संगीत, कला सहित अन्य क्षेत्र मे उत्कृष्ट कार्य केनिहार व्यक्ति कें मिथिला विभूति सम्मान सं सम्मानित कएल जाएत.

पूनमक गीत YouTube पर सुनबा लेल चैनल Subscribe करी.

Previous Post Next Post