डॉ. बीरबल झा पाग पुरुष सम्मान सं सम्मानित


मैथिली पत्रिका मिथिला दर्पण द्वारा मुम्बई  केर डी जी खेतान इंटरनेशनल सभागार मे आयोजित एक भव्य कार्यक्रम में मिथिलालोक फांउडेशनक चेयरमैन डॉ. बीरबल झा कें 'पाग पुरूष सम्मान' सं सम्मानित कएल गेलनि. मिथिलाक संस्कृति कें देश-विदेश मे अलग पहिचान दिएबा हेतु संघर्ष लेल डॉ बीरबल झा कें ई सम्मान प्रदान कएल गेल.

पछिला किछु साल सं 'पाग बचाउ अभियान' चला रहल डॉक्टर झा विगत किछु दिन सं मिथिलाक लाल प्रद्युम्न ठाकुर हत्याकांड मे बच्चाक अभिभावक कें कानूनी मदद उपलब्ध करेबाक हेतु चर्चा मे रहल छथि. डॉक्टर झा केर प्रयासक परिणामस्वरूप किछु दिन पहिने केन्द्र सरकार 'मिथिला पाग' पर डाक टिकट जारी केलक अछि.


मिथिला स्थित मधुबनी जिलाक सिजौल गाम मे स्व. दयानंद झा एवं जयपुरा देवीक घर 22 जनवरी 1972 कें जनमल डॉक्टर बीरबल झा बहुमुखी प्रतिभाक धनिक छथि. देशक प्रसिद्ध अंग्रेजी शिक्षण संस्थान ब्रिटिश लिंग्वाक संस्थापक एवं दर्जनो पुस्तकक लेखक डॉक्टर बीरबल झा ने मात्र मिथिलाक सामाजिक, सांस्कृतिक आ आर्थिक विकासक प्रति समर्पित छथि, अपितु ई देश भरि मे युवा लोकनिक रोजगारपरकता बढ़एबा हेतु अप्रतिम योगदान देलनि अछि. कम्युनिकेशन स्किलक क्षेत्र मे लगातार 24 साल सं अपन संगठन ब्रिटिश लिंग्वा कें देश भरि मे पसरल विभिन्न सेन्टर सभक माध्यम सं छात्र एवं युवा सभ कें प्रशिक्षित करएबला डॉक्टर झा एखन धरि लाखो युवा कें स्किल्ड क' चुकल छथि. बिहार प्रान्त मे 30 हजार सं बेसी महादलित छात्र-छात्रा सभ कें स्पोकेन इंग्लिश केर ट्रेनिंग द' एक मिशाल कायम केलनि अछि.

वर्ष 2010 मे देशक राजधानी दिल्ली मे आयोजित राष्ट्रमंडल खेलक दौरान होमगार्ड्स जवान सभ कें प्रशिक्षित केनिहार बीरबल झा मिथिलाक सर्वांगीण विकास हेतु समर्पित छथि.

Advertisement

Advertisement