मधुबनीक भटसिमरि मे राष्ट्रीय लोक उत्सवक धूम


मधुबनीक भटसिमरि मे राष्ट्रीय लोक उत्सव शुरू भ' चुकल अछि. अछिंजल ओ नारी उद्गार संस्थान संगहि संस्कृति मंत्रालयक संयुक्त प्रयासें कएल जा रहल 'राष्ट्रीय लोक उत्सव' कार्यक्रमक उद्घाटन बुधदिन 27 सितम्बर 2017 कें बिहार सरकारक पंचायती राज मंत्री कपिलदेव कामत केलनि. 


अवसर पर मुख्य अतिथिक रूप मे मैथिली नाट्यकार महेंद्र मलंगिया उपस्थित छलाह त' विशिष्ट अतिथिक आसन पूर्व मंत्री रामलखन राम 'रमण' ओ लौकहीक विधायक लक्ष्मेश्वर राय ग्रहण केलनि. बिहार विधान परिषद् सदस्य सुमन महासेठ ओ राजनगरक विधायक रामप्रीत पासवानक गरिमामयी उपस्थिति मे कार्यक्रमक शुभारम्भ भेल.


एहि लोक उत्सवक पहिल दिन उपस्थित पाहून लोकनि लोक कला ओ संस्कृति पर अपन वक्तव्य प्रस्तुत केलनि. संगहि विभिन्न लोक कलाकार लोकनि द्वारा कलाक प्रदर्शन सेहो कएल गेल. कार्यक्रम में जिलाक लोक कला प्रेमी ओ साहित्यिक लोकनिक नीक जुटानी देखल गेल.

कार्यक्रम मे रसनचौकी वादन, बांसुरीवादन, छऊ नृत्य, पारंपरिक गीतनादक संगहि 'अछिंजल' द्वारा मैथिली नाटक 'हाय रे हमर घरबाली' प्रस्तुत कएल गेल. एहि अवसर पर सलहेस लोकनाट्य प्रस्तुतिक संगहि मध्य प्रदेशक संस्था अंगराग द्वारा महाबली नाटक सेहो देखाओल गेल.


ज्ञात हो जे तीन दिवसीय कार्यक्रम आइ दोसर दिवस अछि, जाहि मे देश भरिक लोक कलाकार लोकनि जुटल छथि. लोक कलाक एहि महापर्व मे मिथिला सहित देशक विभिन्न भू-भागक कला प्रदर्शन होएत. 

#MithiEvents
Previous Post Next Post