हे सहोदर...राखी पाबनि पर बहिन तकै छथि बाट!

राखी पूर्णिमा भाइ-बहिनक प्रेमक पाबनि अछि. 21सम शताब्दी मे आब skype/hangout पर सेहो राखी बन्हाओल जाए लागल अछि मुदा एहि दिन बहिन भाइ कें राखी बन्हबा लेल बाट तकैत छलीह. ई गाम-घर मे एखनो एहिना देखल जाइत अछि.

साधन-संसाधन रहने आब लोक कें ताइदिन जकां बटतक्की नै रहै छै, तखन प्रेम त' प्रेमे होइ छै ओ जुग बदलने थोड़हि ने बदलै छै! 

एम्हर कएक दिन सं मैथिली गायिका पूनम मिश्राक गाओल ओ शिवकुमार झा 'टिल्लू' द्वारा लिखित ई गीत यूट्यूब ओ सोशल मीडिया पर लोकक धियान आकर्षित क' रहल अछि.

आउ, ई गीत सुनैत मिथिमीडिया दिस सं राखीक बहुत रास बधाइ ओ शुभकामना स्वीकार करी.



पूनम मिश्राक गीत-संगीत सुनबा लेल हिनक YouTube चैनेल Subscribe करी.

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post