चलू संगे किछु डेग जे वेब पर मैथिली कें बेहतरी दिस ल' जाएत...

मिथिमीडिया 6 वर्ष पूरा क' लेलक अछि. एकरा जियओने राखब एकटा बड़का चुनौती रहल अछि, धरि एतेक रास्ता तय केलक अछि से हमरा लोकनि कें आत्मिक खुशी भ' रहल अछि.

मिथिमीडिया कें जियओने रखबा लेल सालक लगभग 1 लाख टाका खर्चा छै. एतेक खर्च मे दैनिक 1-2 पोस्ट आ सोशल मीडिया एक्टिविटी संभव भ' सकैत छै. खर्चक भरपाइ लेल मिथिमीडिया पर विज्ञापन वा पार्टनरशिपक माध्यम सं मदति करबाक बाट खुजल अछि.

विशेष जनतब एतय देल अछि:

1. मिथिमीडिया कम सं कम 1000 टाका मोलक विज्ञापन स्वीकार करैत अछि जे मास भरिक लेल वेब पर रहैत अछि, यएह साल भरिक लेल 10000 टाका मे देखाओल जाइत अछि.

2. मिथिमीडिया संस्था ओ कार्यक्रमक एकबेरक न्यूज कवरेज ओ प्रमोशन (MithiEvents) कम सं कम 1000 टाका ओ एकसंग सालाना अनुबंध भेने 10000 टाका लेबाक प्रावधान रखने अछि. साल मे 12 कार्यक्रम सं बेसी भेने फराक चार्ज लागि सकैत अछि.

3. मिथिमीडिया 'बुक प्रमोशन' (MithiBooks) करैत अछि जाहि अंतर्गत 1 किताबक प्रमोशन वेब और सोशल मीडिया पर करैत अछि. बुक लांचिंग केर कवरेज ओ पोथी समीक्षा करैत अछि. एहू सेवा लेल कम सं कम 1000 टाका चार्ज कएल जाइ छै.

4. मिथिमीडिया प्रायोजित पोस्ट सेहो देबाक प्रावधान रखने अछि, जाहि लेल कम सं कम 1000 टाका देने प्रोडक्ट, संस्था, अभियान ओ व्यक्तिक प्रमोशन पोस्ट ओ सोशल मीडिया माध्यम सं कएल जाइत अछि. एहन तरहक पोस्ट #Sponsored रूप मे चिन्हित रहैत अछि.

5. मिथिमीडियाक काज पसंद भेने ओ सहयोगक इच्छा भेने सीधे डोनेट क' सेहो एकरा मदति कएल जा सकैत अछि.

कोनो तरहक विज्ञापन/पार्टनरशिप लेल सोझे mithimedia@gmail.com पर मेल पठाबी.

चलू संगे किछु डेग जे वेब पर मैथिली कें बेहतरी दिस ल' जाएत. जय मैथिली!



Previous Post Next Post