मैथिली लघुफिल्म 'The Suspect' केर स्क्रीनिंग कलकत्ता मे


चर्चित मैथिली फिल्म केर स्क्रीनिंग आइ सांझ 5.40 बजे सं कलकत्ताक कालीघाट पार्क स्थित जोगेश माइम अकादमीक प्रेक्षागृह मे संपन्न भेल. फिल्म दर्शकक धियान घिंचबा मे सफल रहल. एकर विषय वस्तु, तकनीक पक्ष आ कहबाक जे कला छल से उपस्थित बंगाली दर्शक कें सेहो खूब पसिन पड़लनि.

स्क्रीनिंगक बाद प्रश्नोत्तर सत्र मे निर्देशक नितिन चन्द्रा सं लोक बातचीत केलनि आ फिल्म संबंधी बहुत रास जिज्ञासा केलनि. प्रेक्षागृह मे महानगरक मैथिली फिल्म ओ थियेटरक कलाकार लोकनि उपस्थित छलाह.


कार्यक्रमक बाद राष्ट्रीय अवार्ड विजेता 'मिथिला मखान' फेम निर्देशक नितिन चन्द्रा मैथिल लोकनि सं मैथिली फिल्म पर खूब फइल सं बातचीत केलनि. ओ सिनेमाक विकास मे प्रोड्यूसरक अभाव कें बाधक बतओलनि.

मैथिली भाषा-साहित्य कें रिच बतबैत ओ कहलनि जे मैथिली मे बहुत रास स्कोप छै काजक मुदा एतय निर्माताक पूर्ण अभाव छै. फिल्म निर्माण सं रिलीज धरि मे बेस चुनौती सभ छै, जकरा दूर केने विकास संभव छै. 

ज्ञात हो जे उक्त फिल्म यूट्यूब पर रिलीज कएल गेल छल आ नीक संख्या मे लोक 25 टाका खर्च क' फिल्म देखलनि. एहि फ़िल्मक स्क्रीनिंग मुंबइ मे भ' चुकल छै. ई फिल्मक दोसर स्क्रीनिंग छलै.

नितिन चन्द्रा कहलनि जे इन्टरनेट पर फ़िल्मक भविष्य अछि. आब थियेटर सं बेसी फिल्म इन्टरनेट पर देखल जा सकत. गाम-गाम धरि सुलभ भेने आब एतहु आशाक नजरि सं देखि सकैत छी.
Previous Post Next Post