C-DAC विकसित केलक मैथिलीक लिपि तिरहुता फॉण्ट


मैथिली मे एमहर आबि क' खूब काज सभ भेल अछि मुदा लिपि पर कोनो विशेष तरहक काज अभरल नै अछि. मैथिली कतेको मामिला मे तकनीक संगे डेगाडेगी क' रहल अछि मुदा लिपि मृतप्राय अछि आ तैं ओहि दिस काजो नै भ' रहल छल.

मैथिली कें संविधान मे स्थान भेटलाक बादो तिरहुता लिपि दिस ककरो धियान नै गेल छल. तिरहुता मे ढंगक कोनो फॉण्ट तक नञि छल. यूनिकोड अपन सातम वर्शन 16 जून 2014 के जारी केलक जाहि तिरहुता कें सेहो स्थान देलक. मुदा तिरहुता-यूनिकोड समर्थित फॉण्ट नञि बनायल गेल.

एहि दिस प्रयासरत मैथिली एक्टिविस्ट रोशन चौधरी कहैत छथि, "भारत सरकार सँ अनुरोध कयलाक बाद हमरा सूचित कएल गेल जे ओ अपन सन्स्था 'प्रगत संगणन विकास केंद्र' (C-DAC: Centre for Development of Advanced Computing) सं तिरहुता फॉण्ट विकसित कराओत. समय-समय पर प्रधानमन्त्री कार्यालय, इलेक्ट्रोनिक तथा सुचना प्रोद्यौगिकी मंत्रालय, प्रगत संगणन विकास केंद्रक गोरधरिया करैत रहलहुं, परिणामस्वरूप ‘प्रगत संगणन विकास केंद्र’ 3 जुलाई 2017 कें अपन वेबसाइट https://www.cdac.in/index.aspx?id=dl_mlingual_tools पर तिरहुता फॉण्ट जे यूनिकोड समर्थित अछि तथा तिरहुता टाइप करए लेल की-बोर्ड जाहि मे ऑनस्क्रीन की-बोर्ड सम्मिलित अछि जारी केलक.

जओं अहाँ ऑपरेटिंग सिस्टम विंडोज 10 उपयोग करैत छी त' उपरोक्त कड़ी पर जा कए तिरहुता फॉण्ट तथा की-बोर्ड डाउनलोड कय इंस्टाल करू आओर अपन मातृभाषा आओर लिपिक प्रयोग करू.


Previous Post Next Post