मैथिली लघु फिल्म 'कवि कल्पना' मुंबइ मे प्रदर्शित


बहुप्रतीक्षित मैथिली लघु फिल्म 'कवि कल्पना' आइ मुंबइ मे प्रदर्शित भेल. अंधेरी (पश्चिम) केर शाकुंतलम थियेटर मे लगातार तीन शो देखाओल गेल. भास्कर झा ओ रोशनी झा केर मुख्य भूमिकाबला ई लघु फिल्म यूट्यूब पर सेहो रिलीज कएल जाएत.

विकास झा निर्देशित ई लघु फिल्म मे काव्यात्मक संवाद अछि जे मैथिली मे एहन प्रयोग पहिल खेप भेल अछि संगहि देशभरिक फिल्म मे एहि तरहक संवाद विरल देखल जाइत अछि.

मुख्य पात्र कवि छथि आ कथा हुनके ल' क' सजाओल गेल अछि त' संवाद सेहो कविते रूप मे राखल गेल. ई एहि फिल्म कें विशेष बना देइत अछि.


25 मिनट केर एहि लघुफिल्म केर पार्श्वध्वनि देने छथि प्रवेश मल्लिक त' छायांकन, फिल्मांकन ओ संवाद विकास झा केर छनि. एडिटर मो. सुहेल ओ ध्वनि डिजाइन केने छथि शंकर सिंह.

जनतबक अनुसार एक्सट्रीम्ज़ पिक्चर ओ महेश्वर फिल्म्स इंटरनेशनल केर संयुक्त प्रस्तुतिबला ई फिल्म लगभग 150 दर्शक देखलनि. एहि अवसर पर बॉलीवुड अभिनेता नरेन्द्र झा सेहो उपस्थित भेलाह. 

ज्ञात हो जे निर्देशक विकास झा एहि सं पहिने मैथिली फिल्म 'मुखियाजी' सं बेस चर्चित भेल छलाह. मैथिली सिनेमा मे नवीन प्रयोग लेल अकानल जाइत छथि. 
Previous Post Next Post