कखन हरब दुःख मोर with The Pravesh Mallick effect


विद्यापतिक अमर कृति 'कखन हरब दुःख मोर' नव रूप, नव संगीतक संग आएल अछि. मैथिली फिल्म 'मुखियाजी' फेम संगीतकार प्रवेश मल्लिक अपन स्वर ओ संयोजन मे एहि गीत कें प्रस्तुत केलनि अछि.



बॉलीवुड फिल्म 'जय गंगाजल' मे संगीत द' चर्चित भेल संगीतक ई धुरंधर मैथिली संगीत मे सेहो नूतन प्रयोग ओ सरल-सहज प्रस्तुति लेल चिन्हल जाइत छथि. हिनक मैथिली म्यूजिक वीडियो 'नमरी लुच्चा' सेहो खूब पसिन कएल गेल छल.

सोशल मीडिया पर विद्यापतिक लिखल ई गीत प्रवेशक स्वर मे लोकक धियान आकर्षित क' रहल अछि. हिनका मिथिलाक 'ए. आर. रहमान' कहल जाइत अछि.

फिल्म निर्देशक विकास झाक वीडियो ओ विक्रम-निकितेश केर गिटार सहयोग सं ई म्यूजिक वीडियो बहुत नीक बनल अछि.

वीडियो देखी, सुनी. लाइक-शेयर करी आ मैथिली संगीत मे नूतन विहानक स्वागत मे संग आबी. जय मैथिली!
Previous Post Next Post