मैथिली लघुफिल्म 'THE SUSPECT'क इंतजार


'मिथिला मखान' फेम निर्देशक नितिन चंद्रा मैथिली मे लघुफिल्म ल' क' एलाह अछि. The Suspect नामक ई फिल्म आगामी 5 मइ कें यूट्यूब चैनेल 'neobihar' पर रिलीज होएत. 

पोस्टर जारी करैत नितिन कहै छथि जे फिल्म दरभंगा मिर्जापुर निवासी अब्दुल रहीम अंसारी केर कथा कहैए जे मुंबइ चाकरी लेल गेल रहैए आ ओकरा 24 घंटाक भीतर आतंकवादी घोषित क' देल जाइत अछि. पुलिस-प्रशासन ओ मीडियाक उजाहि मे की कोना होइए से फिल्म मे देखाओल गेल अछि.

ज्ञात हो जे हिनक मैथिली फिल्म मिथिला मखान कें पछिला साल राष्ट्रीय अवार्ड भेटल छलनि. ई बिहारक क्षेत्रीय भाषाक फिल्मक विकास लेल कटिबद्ध छथि. मैथिली मे पहिल लघुफिल्म ल' क' आबि रहल छथि. 



फ़िल्मक ट्रेलर काल्हि (22 अप्रील) भोरे 7 बजे जारी कएल जाएत. फिल्मक अपडेट लेल Subscribe करी - https://www.youtube.com/neobihar
Previous Post Next Post