SOIMELA मे मैथिलीक प्रतिनिधित्व केलनि विभा रानी


बीतल रवि-सोम मने 23-24 अप्रील कें कलकत्ताक शिशिर मंच मे SOIMELA आयोजित भेल छल. एकर विशेष बात ई छै जे ई महिला लोकनि द्वारा आयोजित ओ संचालित होइ छै. 

SOI CREATIVE WOMEN संस्थाक ई कार्यक्रम लोक संस्कृति, आदिवासी संस्कृति, साहित्य पर आधारित छल जकर एहि खेपक थीम छल 'भूमिकन्या'. भूमिकन्या मने सीता मने मैथिली.

बंगाली महिला लोकनि द्वारा आयोजित एहि दू दिवसीय इवेंट मे दुनू दिन मैथिलीक सत्र राखल गेल छल. प्रख्यात साहित्यिक ओ रंगकर्मी विभा रानी दुनू दिन मैथिली कें प्रजेंट केलनि.


पहिल दिन मिथिलाक प्रसिद्ध डहकन #गालीगीत केर प्रस्तुति देलनि. विभारानी मैथिली गीतक गायन ओ प्रस्तुति सं दर्शक पर विशेष प्रभाव छोड़बा मे सफल रहलीह. मैथिली गीत पर बंगाली मानुष झूमि उठल.

दोसर दिन कहिनी ओ लोकोक्ति पर वैचारिक सत्र मे तीन अन्य आदिवासी भाषाक संग मैथिली दिस सं विभा रानी भाग लेलनि.

रंगकर्मी किरण झा, साहित्यिक राजीव रंजन मिश्र, आमोद झा, देवेन्द्र हजारी, रूपेश त्योंथ आदि भाषाकर्मी लोकनि विभा रानी सं भेंट क' विभिन्न बिंदु पर फइल सं चर्च-बर्च केलनि.  
Previous Post Next Post