प्रेममोहन कें बाल साहित्य ओ दीपनारायण कें युवा पुरस्कार


नवदिल्ली: एहि बरख मैथिली मे साहित्य अकादेमी दिस सं बाल साहित्य पुरस्कार लेल प्रेममोहन मिश्र केर 'भारत भाग्य विधाता' जीवनी लेल चयन कएल गेल अछि. चयन समिति मे डा. अमरनाथ झा, प्रो. भुवनेश्वर प्रसाद गुरुमैता एवं डा. महेंद्र नारायण राम छलाह.  

युवा पुरस्कार लेल दीपनारायण विद्यार्थी केर 'जे कहि नहि सकलहुँ' कें चुनल गेल अछि. विज्ञप्तिक अनुसार चयन समिति मे डॉ बासुकी नाथ झा, डॉ रामनरेश सिंह ओ डॉ शंभुनाथ मिश्र छलाह.
Previous Post Next Post